
नई दिल्ली। 27 दिसम्बर। पाकिस्तानक कपटपूर्ण चेहरा एक बेर फेर सामना आयल अछि। पाकिस्तानक जेल मे बंद भारतीय नागरिक कुलभूषण जाधव सँ भेट करे पहुंचल हुनकर कनिया आओर माँ जूता सँ ल'के मंगलसूत्र आओर चूड़ी-बिंदी तक उतरबाओल गेल। भारत ऐहिकेँ बदसलूकी बतबैत पाकक कड़ा आलोचना केला अछि। विदेश मंत्रालय द्वारा जारी बयान मे कहल गेल कि पाकिस्तान जाधव केर परिजन सभक भावना केर ध्यान नहि राखलक। बयानक मुताबिक, हुनका सभक कपड़ा सेहो बदलबाओल गेल। बताओल जे रहल अछि कि जाधव केर कनियाक जूता वापस वापस नहि कायल गेल। हुनका अप्पन मातृभाषा मे बात चित नहि करे देल गेल। विदेश मंत्रालय ऐही मामला मे पाकिस्तानक नीयत पर सेहो सवाल ठाढ़ केना अछि।
विदेश मंत्रालय द्वारा जारी बयान मे कहल गेल अछि कि ई स्पष्ट रूप सँ आपसी समझ केर उल्लंघन अछि। कूटनीतिक मामलाक जानकार आशंका जाहिर क' रहल छथि कि जाधव सँ भेट मुलाकात केर रूपरेखा आईएसआई तय केने होयत। ऐहिक पाछू हुनका सभक बदनीयती आओर भारत क' नीचा दिखेबाक कोशिश जानकार सबहक नजैर मे आएब रहल अछि। जाधव केँ माँ आओर कनिया कैल्हि मंगल दिन विदेश मंत्री सुषमा स्वराज सँ भेट करी हुनका पूरा जानकारी देलनि। ऐही दौरान विदेश सचिव एस जयशंकर व आन अधिकारी सभ सेहो उपस्थित छलथि।