मिथिला स्टुडेंट युनियन (MSU) द्वारा चलाओल गेल सदस्यता सह जागरूकता अभियान

दरभंगा। 01 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] कैल्हि गुरु दिन मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) केँ दरभंगा आ लहेरियासराय टीम द्वारा राहुल झा केर अगुआई मे दरभंगा आओर लहेरियासराय केँ कॉलेज आ कोचिंग सेंटर सभ मेँ सदस्यता सह जागरूकता अभियान चलाओल गेल।

ऐहिक जानकारी दैत मिथिला स्टूडेंट यूनियन दरभंगा इकाई केँ मीडीया प्रभारी गणपति मिश्रा कहलनि कि एमएसयू छात्र सभक प्रति दृढ़ संकल्पित आ गैर-राजनीतिक संगठन अछि। हमरा सभक प्रयास अछि कि बेसी सँ बेसी छात्र सभकेँ यूनियन संग जोड़ल जाय। ओतहि सचिव जयप्रकाश झा कहलनि कि हम सभ छात्र सभक प्रति पूर्णतः सजग छी, पिछला दू बरख सँ हमसब छात्र - सेवा मे लागल छी। जाहिक परिणाम अछि कि यूनियन विश्वविद्यालय केर सभसँ पैघ यूनियन केर रूप मे उभरल अछि, जाहिक सबूत 15 नवम्बर क' भेल छात्र  आंदोलन अछि।


मिथिला स्टुडेंट युनियन (MSU) के 15 नवम्बर क' भेल छात्र  आंदोलन मे पहिल बेर छात्र आंदोलन केर  इतिहास मे एतेक बेसी छात्र भाग लेना छल। ऐहिक परिणाम अछि कि छात्र-संघ चुनाव होमे जे रहल अछि। ई मिथिला स्टुडेंट युनियन केर जीत साबित करैत अछि, ई जीत मिथिला विश्वविद्यालय केँ सब छात्रक जीत अछि। ई जीत हासिल करबाक लेल सभ सेनानी यूनियन के दिन राति मेहनत करी सहयोग केलनि। 

ओतहि सुधांशु कर्ण कहलनि कि बहुत मजबूती सँ हम सभ छात्र-संघ चुनाव लड़ब, आओर यूनियन के विजय होयबाक पताका लहराओल जेत। छात्र-संघ चुनाव लड़बाक लेल मैराथन स्तर पर तैयारी शुरू अछि। आजुक सदस्यता सह जागरूकता अभियान मे राकेश चौधरी, मुकुंद चौधरी के संगे संग सैकड़ों छात्र लोकनि यूनियन केर सदस्यता ग्रहण केलनि। ऐही कार्यक्रम मे यूनियन के सेनानी मनोज कुमार, दरभंगा सचिव पिरसुन चौधरी, प्रणब कुमार, विष्णु शर्मा, बिकाश चौधरी, बालकृषर्ण, बिमल मैथिल, राहुल झा, बिपिन झा, शंकर भगवान आदि लोकनि उपस्थित छला। आय पुनः 9 बजे सँ सी. एम.कॉलेज मे आओर 12 बजे सँ मारवाड़ी कॉलेज मे यूनियन द्वारा सदस्यता सह जागरूकता अभियान चलाओल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ