वाह रे स्वच्छता अभियान, नाला केँ गंदगी क' दरभंगा नगर निगम फेंक रहल अछि सड़क पर

दरभंगा। 01 दिसम्बर। जता पूरा देश मे सरकार द्वारा "स्वच्छता अभियान" चलाओल जे रहल अछि आ लोग सभके स्वच्छता लोग जागरूक कायल जे रहल अछि ओतहि एहि अभियान केर असर दरभंगा नगर निगम पर नहि भ' रहल अछि।

जकरा कन्हा पर पूरा शहर क' स्वच्छ आओर सुन्दर बनेबाक जिम्मेदारी अछि। उवे दरभंगा नगर निगम आय कैल्हि शहर केँ सड़क सभके घिनबाई  मे लागल अछि। दरभंगा जिलाक सभसँ महत्वपूर्ण सड़क जे कर्पूरी चौक से सीधा दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंड हॉस्पिटल दिस जायत अछि ओहि सड़क पर निगम द्वारा नाला केँ गंदगी फेकल जे रहल अछि। 

अपने क' बता दी  दरभंगा नगर निगम आय कैल्हि सड़क सभक बगल म' बनल लाना केर सफाई करा रहल अछि आओर नाला सँ निकलै बला सभ गंदगी क' सड़क पर फेंक रहल अछि, जाहिक चलते हजारों मरीज समेत छात्र-छात्रा आ आम राहगीर क' बहुत परेशानी केर सामना करे पैड़ रहल अछि।

ओतहि, प्रभारी अस्पताल अधीक्षक डॉ. बालेश्वर सागर एहि मामला पर कहलनि कि नगर निगम क' कैको बेर कहल जे चुकल अछि कि अस्पताल मे रोजाना हजारों मरी सभक संगे संग छात्र-छात्रा आ आम राहगीर आबैत जायत रहैत अछि जाहिसँ सभके बहुत परेशानी केर सामना करे पड़ैत अछि। तैयो निगम द्वारा नाला केँ गंदगी सड़क पर फेकल जे रहल अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ