मैथिली अधिकार दिवस केँ अवसर पर “भारतीय संविधान मे मैथिलीक चौदह वर्ष” विषयक राष्ट्रीय संगोष्ठी केर आयोजन भेल

दरभंगा। 23 दिसम्बर। कैल्हि शुक्र दिन दरभंगा केँ मिर्जापुर स्थित चाणक्य इंटरनेशनल इंस्टिच्यूट ऑफ हास्पिटिलीटी मैनेजमेंट केँ सभागार मे मैथिली अधिकार दिवस केँ अवसर पर “भारतीय संविधान मे मैथिलीक चौदह वर्ष” विषयक राष्ट्रीय संगोष्ठी केर आयोजन भेल। मैथिली हास्य व्यंग्य केर प्रख्यात कवि डॉ. जयप्रकाश चौधरी जनक केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि संगोष्ठी केर उद्घाटन करैत दरभंगा केँ महापौर बैजंती खेड़िया कहलनि कि मैथिली विश्व केँ सभसँ मधुर भाषा अछि। मैथिली साहित्यिक रुप सँ बहुत समृद्ध अछि। पता नहि किएक मैथिली क' संवैधानिक मान्यता भेटबा मे एतेक देरी भेल। आगा ओ कहलनि कि आइयो मैथिली केँ श्रीवृद्धि मे सैकड़ो साहित्यकार लागल छथि। 

महात्मा गांधी शिक्षण संस्थान, लहेरियासराय द्वारा आयोजित एहि संगोष्ठी मे मुख्य अतिथिक रुप मे सम्बोधित करैत आकाशवाणी पुर्णियाँ केँ केंद्राध्यक्ष डॉ. प्रभात नारायण झा कहलनि कि जाधरि जमीन सभक केबाला लिखब आओर प्राथमिक शिक्षा मैथिली मे नहि आरंभ होयत ताधरि संवैधानिक मान्यता केर असली लाभ नहि भेट सकत। मुख्यवक्ता डॉ. अशोक कुमार मेहता कहलनि कि मैथिली क' अधिकार तँ भेट गेल, आब मैथिल क' अप्पन कर्तव्य सभक प्रति सचेष्ट हेबाक आवश्यकता अछि।  

एहि अवसर पर मैथिली भाषा क' संविधानक आठवीं अनुसूची मे शामिल करेबा मे महती भूमिका केर निर्वहन करनिहार मैथिलीक प्रख्यात गीतकार व साहित्यकार एवं भारत निर्वाचन आयोगक आइकॉन मणिकांत झा क' पाग चादर व अभिनन्दन पत्र समर्पित करी सम्मानित कायल गेलनि। 

पं. विनय कुमार झा द्वारा गाओल गोसाउनिक गीत सँ आरंभ भेल एहि  कार्यक्रम मे आगत अतिथि सभक स्वागत करैत महात्मा गाँधी शिक्षण संस्थान केँ निदेशक हीरा कुमार झा कहलनि कि मैथिली क' संवैधानिक दर्जा तँ भेटल मुदा जाधरि मैथिली क' राज काज केर भाषा आओर प्राथमिक शिक्षा मे शामिल नहि कायल जायत ताधरि ऐहिक पूर्ण लाभ समाज क' नहि भेटत। विशिष्ट अतिथि केर रुप मे उपस्थित एम.आर.एम कॉलेज केँ प्रधानाचार्य डॉ. विद्यानाथ झा कहलनि कि सरकारी आओर नीजी शैक्षणिक संस्थान सभमें मैथिली पढ़ायब अनिवार्य होयबाक चाही। 


भारतीय संविधान मे मैथिलीक चौदह वर्ष भेलाक उपलक्ष म' चौदह मोमबत्ति ज़रा सभकियो मैथिली अधिकार दिवस केर ख़ुशी मनौलनि। नवीन कुमार झा केर धन्यवाद ज्ञापन सँ संपन्न भेल एहि कार्यक्रम मे प्रवीण कुमार झा, अशोक कुमार चौधरी, मनीष सिन्हा,  नीलम झा, दीपक कुमार, रामकुमार झा, प्रकाश चौधरी, बी एन झा, संतोष कुमार, कृष्ण कुमार चौधरी, नवल किशोर झा सहित अनेको लोग उपस्थित छलथि।