प्राप्त जानकारी केर मुताबिक आरोपी बच्ची क' समोसे के लालाच द' गामक बाहर एक सुनसान जगह ल' जे क' बच्ची संग दुष्कर्म केलक। बच्ची क' घर पर नहि देख परिजन सभ बच्ची क' ताके लागल जाहिक दौरान किछु ग्रामीण परिजन सभकेँ कहलक कि एक आदमी बच्ची क' गामक बाहर ल' जायत रहथिन।
बच्ची केँ पिता कहलनि कि बच्ची केर जानकारी भेटलाक बाद हम सभ घटनास्थल पर पहुंचलहुँ तेँ ओता हमर बच्ची जोर -जोर सँ चिकरैत छली और आरोपी ओकरा चुप करबाक कोशिश क' रहल छल बच्ची केँ हालत बहुत गंभीर बनल छल। बच्ची केँ हालत देख हम सभ बुझी गेलहुँ कि बच्ची संग किछु गलत भेल अछि।
मौके पर ग्रामीण सभ आरोपी क' पकैड़ तुरंत पुलिस क' घटना केर सूचना देलक जाहिक बाद मौका पर पहुँचल पुलिस आरोपी क' गिरफ्तार क' लेलक आओर बच्ची केर गंभीर हालात देख पीड़ित बच्ची क' सदर अस्पताल पहुँचाओल गेल। आरोपी चाचा अप्पन गलती स्वीकार केलक, ओतहि बच्ची केँ गंभीर स्थिति क' देखैत बच्ची क' दरंभगा के डीएमसीएच रेफर कायल गेल।