सहरसा : अपराधी सभ पहिने केलक लूटपाट, फेर फोन पर मांगलक दस लाख टाका रंगदारी

सहरसा। 27 दिसम्बर। कोशी क्षेत्र मे अपराधी सभक बोलबाला एक बेर फेरसँ देखबाक लेल भेटल। अपराधी सभ पहिने एक व्यापारी संग दिनदहाड़े लूटपाट केर घटना क' अंजाम देलक आ फेर पीड़ित व्यापारी क' फोन करी 10 लाख टाकाक रंगदारी सेहो मांगलग।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक, सहरसा जिलाक महिषी थाना क्षेत्र मे अपराधी सभ एक व्यापारी संग लूटपाट केलक। एहि दौरान अपराधी सभ व्यापार लग से 8 हजार नगद समेत मोबाइल फोन छीन लेलक। एहि घटनाक एक दिन बादे बदमाश सभ लुटल गेल मोबाइल से हुनका घर पर फोन केलक आओर 10 लाख टाका रंगदारी केर मांग केलक। 


रंगदारी केर मांग सँ डरायल पीड़त ऐहिक शिकायत पुलिस मे केलक। एहि मामला मे पुलिस पीड़ित केर बयानक आधार पर अज्ञात आरोपी सभक खिलाफ मामला दर्ज केना अछि। संगहि व्यापारी केर सुरक्षाक लेल हुनका दोकान पर सिपाही क' तैनात केना अछि।