पूर्णिया : गाछ सँ लटकल भेटल अज्ञात युवक, हत्या केर आशंका

पूर्णिया। 27 दिसम्बर। सूबे मे अपराध पर अंकुश लगेबाक तमाम प्रशासनिक प्रयासक बावजूद नित्य दिन हत्या आओर लूट एहेन घटनाक खबैर सदिखन चर्चा मे रहैत अछि। ताजा मामल मे एक अज्ञात युवक केर  शव गाछ सँ लटकल बरामद भेल अछि। पुलिस हत्या केँ बाद शव क' लटकेबाक आशंका जता रहल अछि। 

अपराधक ई ताजा वारदात मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक चांदी कठवा गामक अछि। आय बुध दिन गाछ सँ लटकल अज्ञात लाशक बाद इलाका मे सनसनी पसरल अछि। घटना केर सूचना भेटते स्थानीय पुलिस शव क' अप्पन कब्ज़ा मे ल' लेलक।

स्थानीय लोग सभसँ पूछताछ केर आधार पर एहि मामलक जांच कायल जे रहल अछि। शव के शिनाख्त करबाक एहो प्रयास कायल जे रहल अछि। पुलिस आशंका जाहिर क' रहल अछि कि युवक केर हत्या करी गाछ सँ लटकाओल गेल अछि।