भारतीय वायु सेना ओहि तीन सेवा मे पहिल स्थान पर अछि, जे अधिकारी आओर एयरमैन कैडर केर भर्ती लेल सूचना प्रौद्योगिकी आधारित ऑनलाइन परीक्षण प्रणाली क' अपनेना अछि। एहि प्रस्ताव क' 24 अक्टूबर, 2016 क' रक्षा मंत्री द्वारा सिद्धांत रूप मे अनुमोदित कायल गेल छल। सी-डैक केर सहयोग सँ भारतीय वायुसेना जनवरी, 2018 सँ ऑनलाइन परीक्षा प्रणाली अपनाबे जे रहल अछि। जाहिक लेल ऑनलाइन पंजीकरण 15 दिसंबर, 2017 सँ शुरू होयत।
भारतीय वायु सेना आओर सी-डीएसी केँ बीच 31 अक्टूबर, 2017 क' एक समझौता पत्र पर हस्ताक्षर कायल गेल छल। 2018 मे होमै बला एफ-कैट आओर एयरमैन कैडर केर परीक्षा नवा प्रणाली केर आधार पर होयत।