बेनीपट्टी विधायका भावना झा आ विवाद चलैत छैथ संग



मधुबनी। दुर्गानाथ झा। बेनीपट्टी सS कांग्रेस विधायका श्रीमती भावना झा आ विवाद एक द्वार के पूरक लगैत छैथ। विधायका श्रीमती झा विवाद के पाछा छैथ अथवा विवाद माननीय के पाछा ई बुझब "पैदल कलकता जाएब" कहावत के चरित्रार्थ करैत अछि। श्रीमती झा पूर्व विधायक स्व युगेश्वर झा के पुत्री छैथ , स्व झा के देहावसानक' बाद 2015 में भेल चुनाव में कांग्रेस के टिकट पर बेनीपट्टी विधानसभा सs जीत पाटलिपुत्र पहुँचलि। श्रीमती झा के संग विवादक शुरुवात सेहो टिकट काल स ही कहल जाइत अछि।  स्व झा के निधन के बाद कांग्रेस के स्थानीय नेता सभ के कोंग्रेस सS  टिकट भेटबाक आस लगाउने रहैथ , परन्तु श्रीमती भावना झा के टिकट भेटल। 

जाहि के बाद स्थानीय नेता सभ माननीय के साथ चुनाव अभियान में नै द रहल छैथ ई आरोप स्वंय विधायका मधुबनी में पार्टी के एक मीटिंग में लगेने रहैत। पिता के नाम पर सहानुभूति वोट आ महागठबंधन के नव सियासी समीकरण के कारण चुनाव में जीत भेटल।


चुनाव के बाद श्रीमती भावना झा के नाम पहिल बेर मिडिया में विधानसभा में सेल्फी खीचय के कारण अध्यक्ष सS डांट सुनला के बाद आएल रहे। जाहि पर अपन पक्ष रखैत विधायका कहली जे हम पहिल बेर विधायक बनानौहे ताहि लेल हम कायदा कानून स अनभिज्ञ छानो। 


विधायका भावना झा के नाम सेल्फी विवाद एक बेर फेर स्थानीय मिडिया सS लक राष्ट्रिय मिडिया तक में  आयल आर आरोप पहिने सS ज्यादे संगीन छल, 2016 सितम्बर के बसैठ सुंदरपुर में भेल बस हादसा स्थल पर सेल्फी लक सोशल साइट पर पोस्ट करबाक मामिला बहुत गरमाइल रहे जाहि के बाद विधायका के उतर दैत नै बनैत छल। देखैते - देखैते #सेल्फी_विथ_डेथ_बॉडी सोशल मिडिया पर ट्रेंड करै लागल छल। एही घटना के विषय में विधायका के द्वारा मुख्यमंत्री के नाम लिखल गेल पत्र में पत्र संख्या आ दिनांक नै रहबाक कारन सोशल मिडिया धुरंधर सभ मुद्दा बना लेला आ सोशल मिडिया पर #अनपढ़_दिदिया ट्रेंड करे लागल।


एही घटना के किछ दिन बाद बेनीपट्टी विधायक पर श्री श्याम लाल साहक' पुत्री के बियाह में तोड़ - ताड करबा में आयल। मई 2017 में श्री साह के पुत्री के बियाह के कार्यक्रमक' आयोजन बेनीपट्टी कांग्रेस कार्यालय परिसर में चली रहल छल , विधायक भावना झा पर ओहिठाम पहुंच परिसर में बनल अस्थाई भंडार घर में राखल बाराती के लेल नाश्ता पैकेट फेकबाक आरोप लागल छल। श्री साह के परिजन के अनुसार ओ स्थनीय नेता सS बात क' तय रकम में कांग्रेस के परिसर बुक करेने छलाह बाबजूद ओकर विधायक अपन दबंगई देखेलि। स्थनीय नेता सभ एही बात अपन पल्ला झाड़ा लागला। 



ताजा घटना कलुआही प्रखंडक बेलाही गाम स्थित एक मैदान पर करीब चारि मास पहिने सँ निर्माणाधीन हाईस्कूल भवन केँ शिलान्यास करे पहुँचल कांग्रेस विधायिका भावना झा क' मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभक विरोध केँ सामना करे परलनि। बुध दिन करीब 4:30 बजे सांझ मे 1‌.20 लाख केर लागत सँ निर्माणाधीन भवन जाहिक निर्माण काज छत ढलाई घरी पहुंच गेल अछि आ छतक स्टियरिंग चैल रहल अछि, ऐही भवन केँ शिलान्यास करबाक लेल भावना झा पहुचल छली। जाहिक मिथिला स्टुडेंट युनियन केर कार्यकर्ता सभ विरोध केलनि। मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभ विधायिका केँ कार्यशैली सँ नाराज छल। भावना झा कलुआही थाना (मधुबनी) मे मिथिला स्टुडेंट यूनियन के कार्यकर्ता सभ पर केस दर्ज करेना छथि। भावना झा केर कहब अछि कि किछु लोग दारू पीब नशा केर हालत मे हमरा संग माएरपीट केलनि आओर हमरा जान सँ मारबाक प्रयास केलनि। मुदा हमर अंगरक्षक आओर समर्थक केर मदैद सँ हमर जान बचल। ओतहि मिथिला स्टुडेंट युनियन के कार्यकर्ता सभक कहब अछि कि कांग्रेस विधायिका भावना झा द्वारा लगाओल गेल सभ आरोप बेबुनियाद आओर मनगढ़ अछि।  कार्यकर्ता सभ अप्पन किछु मांग लेल हुनका ज्ञापन देबा पहुँचल छल बस एतबे मे ओ तमसा गेली आ ओता सँ जैय लागली। मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा सेहो विधायिका भावना झा आओर हुनकर कार्यकर्ता सभक खिलाफ F.I.R दर्ज कराओल गेल अछि। सत्य आ झूठ के फैसला तS आब अदालत में होयत लेकिन विवाद खत्म होयत नै लागि रहल अछि।

श्रीमती झा के नाम एतबै नै अपितु बेनीपट्टी हाई स्कूल में झंडा फहराबा , स्थनीय प्रशासन , बैढ़ में NDRF के नाव के विवाद इत्यादि अनेको छोट - पैग विवाद के संग चोली दामन के रिस्ता रहल छैन अखन तक।