प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पुलिस क' सूचना भेटल छल कि मनियारी थाना क्षेत्रक माधोपुर मे अवैध शराबक कारोबार चैल रहल अछि। जाहिक बाद पुलिस इलाके मे छापामारी करे पहुंचल। बताओल जे रहल अछि कि एक नवनिर्मित मकान मे आधा दर्जन लोग सभ शराब पीब हो- हल्ला करैत पाओल गेलथि।
ओतहि, पुलिस दू शराबी क' मौका सँ हिरासत मे लेलक। बांकी आन शराबी फरार भ' गेलथि। कनीये देरक बाद 50 सँ बेसी संख्या मे महिला व पुरुष लाठी-डंडा ल' घटना स्थल पर पहुँचल आओर पुलिस सभकेँ घेर लेलक। जाहिक बाद पुलिस पर लाठी-डंडा सँ हमला शुरू भ' गेल। एहि हमला मे कैको पुलिसकर्मी गंभीर रुपे घायल भ' गेलथि जिनका सभक इलाज अलग- अलग अस्पताल म भ' रहल अछि। मनियारी थाना केँ घायल पुलिसकर्मी बीडी राम कहलनि कि बहुत संख्या मे आयल लोग सभक एकाएक हमला क' देलक जाहिमे कैको पुलिसकर्मी घायल भ' गेलथि।