एक दिस जता एसी लोकल चलबाक खुशी अछि, ओतहि दोसर दिस सामान्य यात्री सभकेँ ऐहिक खामियाजा सेहो भुगते परतैन्ह, किएक जे 12 सामान्य सेवा केर बदला एसी लोकल केर सेवा देल जायत। एहि 12 मे 8 सर्विस चर्चगेट सँ विरार आओर 3 सर्विस चर्चगेट सँ अंधेरी बीच चलाओल जायत। ई सभ तेज लोकल होयत, जखनकि धीमी लोकल केर तौर पर सिर्फ एक सर्विस महालक्ष्मी सँ बोरिवली के बीच चलाओल जायत।
मुंबई केँ लोकल ट्रेन नेटवर्क क' एहिठामक लाइफलाइन कहल जायत अछि। एनामे एसी लोकल ट्रेन शुरू भेला सँ यात्री सभक सफर बहुत आसान होमै बला अछि। अपने क' बता दी मुंबई लोकल मे हर दिन 65 लाख सँ बेसी यात्री सफर करैत अछि। अकेला वेस्टर्न लाइन पर रोजाना लगभग 35 लाख यात्री सफर करैत अछि, एहि लाइन पर 37 स्टेशन पड़ैत अछि। एसी लोकल क' सभसँ पहिने एहि लाइन पर चलाओल जायत।