सहरसा केँ लाल उदय नारायण सिंह 'नचिकेता' हेता साहित्यक सर्वोच्च सम्मान ‘साहित्य अकादमी पुरस्कार’ सँ सम्मानित

सहरसा। 23 दिसम्बर। साहित्य अकादमी द्वारा वार्षिक पुरस्कारक घोषणा क' देल गेल अछि। एहि बेर पुरस्कार 24 भारतीय भाषा मे 24 लेखक सभकेँ देल जायत। साहित्य अकादमी केँ सचिव श्रीनिवासराव कहलनि कि सात उपन्यास, पांच कविता, पांच लघु कथा, पांच आलोचना आओर एक नाटक एवं एक निबंध क' एहि मेर पुरस्कारक लेल चुनक गेल अछि। एहि रचना सभक लेखक क' अगिला बरख 2 फरवरी क' आयोजित होमै बला समारोह मे सम्मानित कायल जायत। 

उपन्यास 

ममांग दई क' हुनकर अंग्रेजी उपन्यास "द ब्लैक हिल", निरंजन मिश्रा क' संस्कृत उपन्यास "गंगापुत्रवदनम्", केपी रामनुन्नी क' मलयाली मे दईवाथिंते पुस्थकम, आओर पंजाबी मे "स्लो डाउन" के लेल नछत्तर क' सम्मानित कायल जायत।

कविता

उदय नारायण सिंह 'नचिकेता' (मैथिली), श्रीकांत देशमुख (मराठी), भुजंग तुडू (संथाली), इंकलाब (तमिल) आओर देवप्रिया (तेलुगू) लेल सम्मानित हेता। 

लघु कथा 

पांच लेखक क' हुनकर लघु कथा लेल सम्मानित कायल जायत। जिनका सभक नाम अछि - शिव मेहता (डोगरी), अवतार कृष्ण रहबर (कश्मीरी), गजानन जोग (कोंकणी), गायत्री सर्राफ (उड़िया) आओर बेग एहसास (उर्दू)।

साहित्यिक आलोचना

रमेश कुंतल मेघ (हिंदी), टीपी अशोक (कन्नड़), उर्मि घनश्याम देसाई (गुजराती), बीना हंगखिम (नेपाली) आओर नीरज दैया (राजस्थानी) क' आलोचना केर क्षेत्र मे चुनक गेलनि। 

ओतहि, जगदीश लछानी (सिंधी) क' निबंध आओर राजेन तोइजांबा (मणिपुरी) क' हुनकर नाटकक लेल सम्मान देबाक घोषणा कायल गेल। 

ई सम्मान 1 जनवरी 2011 आओर 31 दिसम्बर 2015 के बीच प्रकाशित रचना सभकेँ देल जायत। ऐहिक तहत एक लाख लाख टाका बतौर पुरस्कार राशि भेटैत अछि।