ब्लड कलेक्शन मॉनिटर मशीन खराब होयबाक अलावा एहिठाम कैको समस्या अछि, जाहिक कारण रक्तदान लेल आबै बला लोग सभके बहुत परेशानी केर सामना करे पड़ैत अछि। रक्त अधिकोष मे रक्त दान करनिहारक लेल दू चेयर केर व्यवस्था अछि, मुदा एक डोनर चेयर केँ दुनू आर्म केर संगे संग ब्लड कलेक्शन स्टैंड आओर मॉनिटर टूटल पड़ल अछि। टूटल पड़ल ब्लड कलेक्शन स्टैंड केर स्थान पर डीएमसीएच कर्मी प्लास्टिक केँ एक बाल्टी लगा ब्लड बैग राखीकेँ काज चलबैत अछि। जाहिक चलते रक्त दान करनिहार सभकेँ बहुत दिक्कत होयत अछि।
अपने क' बता दी एक ब्लड डोनर केर शरीर सँ 350 एमएल खून निकालल जायत अछि आओर मॉनिटर खराब होयबाक कारण डोनर केँ शरीर स' कतेक खून निकालल गेल ऐहिक सही जानकारी कर्मी सभकेँ नहि भेट पाबैत अछि। जाहि चलते कर्मी सही मात्रा मे खून नहि निकाली पाबैत अछि आओर एहिसँ विभाग मे जतबा खून संचयन होयबाक चाही, ओतबा नहि होयत अछि।
एक दिस अस्पताल प्रशासन रक्त केर महत्व क' प्रचारित करि लोग सभक बीच जन जागृति अभियान चला कहैत अछि कि अहाँक द्वारा कायल गेल रक्त दान कुनू जरूरतमंद केर जान बचा सकैत अछि। मुदा सच्चाई ई अछि कि दोसरक जान बचबै बला ई रक्त अधिकोष मूलभूत सुविधा केर अभाव मे खुद बीमार अछि और ऐहिक बदहाली दूर करबाक दिशा मे कोनो ठोस पहल नहि कायल जे रहल अछि। अपने क' बता दी एहि अस्पताल मे पूरा मिथिलांचलक संगे - संग नेपाल सँ सेहो मरीज इलाजक लेल आबैत अछि।