हारक अंदेशा केँ बीच 16 दिसम्बर क' होयत राहुल गांधी केर ताजपोशी

दिल्ली। 15 दिसम्बर। भलहिं गुजरात आओर हिमाचल विधानसभा चुनाव के एग्जिट पोल्स कांग्रेस केँ लेल नीक खबैर नहि द' रहल अछि, मुदा 16 दिसम्बर क' होमै बला राहुल गांधी केँ ताजपोशी पर ऐहिक कोनो असर नहि पड़त। कांग्रेस सूत्र द्वारा साफ कायल गेल अछि कि राहुल क' पार्टी अध्यक्ष बनेबाक कार्यक्रम मे कोनो फेरबदल नहि कायल जायत।

अपने क' बता दी कि कम सँ कम 9 एग्जिट पोल्स ई अनुमान जतौना अछि कि गुजरात मे बीजेपी 100 से बेसी सीट जीतत।16 दिसम्बर क' राहुल गाँधी क' कांग्रेस अध्यक्ष बनाओल गेलाक बाद यदि18 दिसम्बर क' नतीजा एहि तर्ज पर रहैत अछि तेँ राहुल गाँधी के लेल असहज स्थिति ठाड़ भ' जायत।