शुरू भेल 350सम प्रकाश पर्वक 'शुकराना समारोह', देश-विदेश सँ आयत श्रद्धालु

पटना। 23 दिसम्बर। 350सम प्रकाश पर्वक समापन समारोह 'शुकराना समारोह' आय शनि दिन सँ शुरू भ' गेल अछि। एहि दौरान देश-विदेश सँ लाखो सिख श्रद्धालु पटना पहुंच चुकल छथि। पंजाब केँ मुख्यमंत्री कैप्टन अमरिंदर सिंह सेहो कैल्हि शुक्र दिन एहि कार्यक्रम मे भाग लेबाक लेल पटना पहुंचला।   लेने के लिए पटना पहुंचे। कैप्टन अमरिंदर सिंह पटना साहिब पहुंच श्रीहरमंदिर मे मत्था सेहो टेकला। एहिसँ पहिने कैल्हि सांझ  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल मे 'शुकराना समारोह' केर उद्घाटन केलनि। एहि दौरान सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कायल गेल।


गुरु गोविंद सिंह केर 350सम प्रकाश पर्वक शुकराना समारोह ल'के पटना शहर आओर आस-पास के क्षेत्रक प्रमुख गुरुद्वार तख्त श्री हरमंदिर जी साहिब, बाल लीला गुरुद्वारा, गुरु का बाग, कंगन घाट गुरुद्वारा, गाय घाट गुरुद्वारा, हांडी साहिब गुरुद्वारा आदि जगह पर उत्सव केर माहौल अछि। सभ गुरुद्वार क' आकर्षक ढंग सँ सजाओल गेल अछि। बाहर सँ पहुँचल सिख श्रद्धालु सभक ठहरबाक लेल टेंट सिटी केर निर्माण कायल गेल अछि। 


बाईपास थाना लैह बनल टेंट सिटी मे 35,000 श्रद्धालु सभक ठहरबाक व्यवस्था कायल गेल अछि। गंगा नदी कात कंगन घाट पर सेहो सिख श्रद्धालु सभक ठहरबाक अतिरिक्त लंगर आओर 'गदका खेल' के सेहो व्यवस्था कायल गेल अछि। ऐहिक अलावा निजी स्थल, विद्यालय सभमे सेहो ठाकारबाक व्यवस्था कायल गेल अछि।