मिथला स्टुडेंट यूनियन (MSU) क' बदनाम करबाक साजिश, भाजपा नेत्री मीना झा लगौलनि फुईस फटक आरोप

दरभंगा। 20 नवम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] पछिला 14 नवम्बर के राति मिथला स्टुडेंट यूनियन (MSU) केर सेनानी सभ पर जानलेवा हमला भेल छल। जाहि पर भाजपा महिला मोर्चा के प्रदेश मंत्री मीना झा आरोप लगेना छली कि 14 नवम्बर के रातिक 1:30 के आसपास मिथिला स्टूडेंट यूनियन के सेनानी सभ हुनका घर मे घुइस क' लूटपाट केलनि संगहि हुनका संग अभद्र व्यवहार केलनि। जखनकि मामला किछु आओर अछि।  

असल मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर प्रांगण मे 15 नवम्बर क' मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) द्वारा 11 सूत्री मांग ल'के विशाल छात्र आंदोलन केर आयोजन कायल गेल छल, जाहिक तैयारी पूरा जोड़ - शोर सँ कायल जे रहल छल। 14 नवम्बर के रातिक 1:30 बजे मिथला स्टुडेंट यूनियन के कार्यकर्ता सभ तैयारी केर जायजा लेबा निकलल छल। कार्यकर्ता सभ देखलनि कि कैको जगहक बैनर चोरा लेल गेल छल आओर एक दू जगहक बैनर के कियो फाएर देना छल। 

ओहि राति बैनर सभक निरीक्षण लेल निकलल मिथला स्टुडेंट यूनियन के कार्यकर्ता सागर नावदिया, विजय झा संगे सभ सेनानी पर भाजपा महिला मोर्चा के प्रदेश मंत्री मीना झा केँ गुंडा सभ जानलेवा हमला केलनि। उल्टे  भाजपा नेत्री दिस सँ मिथला स्टुडेंट यूनियन केँ कार्यकर्ता सभक ऊपर फुईस फटक आरोप लगबैत F.I.R सेहो दर्ज कराओल गेल। मीना झा केँ गुंडा सभक द्वारा कायल गेल जानलेवा हमला सँ एमएसयू सेनानी सागर नवदिया गंभीर रुपे घायल भ' गेला। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक सागर नवदिया केँ हाथ पर धारदार हथियार सँ प्रहार भेल आओर मुह पर सेहो  हमला कायल गेल। बताओल जे रहल अछि कि एहि जानलेवा हमला सँ सागर नवदिया केँ जबड़ा मे गंभीर चोट लागल छैन्ह। दरभंगा के डाक्टर सागर केँ दिल्ली रेफर क' देना अछि। आय एमएसयू सेनानी सागर नवदिया केर इलाजक लेल हुनका ल'के दिल्ली रवाना हेता। ओतहि विजय झा क' सेहो गंभीर चोट आयल अछि। बताओल जे रहल अछि कि दरभंगा पुलीस विजय झा पर दबाव बना लूटपाट करबाक आरोप स्वीकार करे कही रहल अछि। जाहिक वीडियो सेहो सामना आयल अछि।


एहि घटनाक विरोध म' कैल्हि सांझ मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा सागर नवदिया पर भेल जानलेवा हमला आओर फुईस फटक आरोप लगा F.I.R करबाक विरोध मे पोलो मैदान लाहेरिसराय सँ कर्पूरी चौक धरी लाहेरिसराय अध्यक्ष अमित मिश्रा केर नेतृत्व मे आक्रोश मार्च निकालल गेल, जाहिमे एमएसयू सेनानी गणपति मिश्रा, अविनाश भारद्वाज, जयप्रकाश झा, बालकृष्ण मिश्रा, अविनाश कुमार, बच्चा बाबू मिश्रा, अनिकेत आनंद, मनोज, अमन, प्रसून समेत बहुतो रास मिथला स्टुडेंट युनियन केँ कार्यकर्ता मौजूद छला। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ