मधुबनी : एक आओर मिथिलाक बेटी दहेजक बली चढ़ाओल गेली, मौत सँ पहिने देली बयान

मधुबनी। 01 नवम्बर। फेर दहेजक बली चढ़ाओल गेली एक विवाहिता। हरलाखी थाना क्षेत्र के विशौल गाम निवासी नंदलाल यादव के बेटी सुगिया देवी क' हुनकर सासुरक लोग द्वारा घर म' बंद करि जिंदा ज़रा माएर देल गेलनि।

प्राप्त जानकारी केर मुताविक, मृतका विशौल के सुगिया देवी केर बिआह चंपा गामक रंजीत यादव सँ एहि बरख अप्रैल माह म' भेल छल। बिआह के किछु दिनक बाद सँ सासुरक लोग सभ हुनका प्रताड़ित करब शुरू क' देलनि। हुनका ऊपर नैहर सँ पाई आ जेवर आनबाक लेल दबाव बनबे लागलनि। पाई आ जेवर आनबा म' असमर्थ सुगिया देवी क' सभ मिल जरा देलनि। 

मृतका के पिता कहलनि कि घटना के पहिने सिगिया के सासुरक लोग सभ फोन करि कहलनि कि अहाँक बेटी घर सँ कतो पड़ा गेल छथि। मुदा हमर बेटी कोनो तरहे अप्पन माँ क'फोन करि बतौलनि कि माँ हमरा बचा लिआ, हमर पति आ सास- ससुर हमरा घर म' ने बंद करि ज़रा देना छथि।

ओनाकि मृतका मौत सँ पहिने पूरा घटना अस्पताल म' अप्पन परिजन सभके सेहो बतौलनि। जाहिमे ओ अप्पन पति व सास- ससुर द्वारा ज़रा क' मारबाक गप कहली। परिजन सभ हुनकर बयान क' मोबाइल म' रिकॉर्ड क' लेलनि। एहि बाबत बेनीपट्टी डीएसपी पुष्कर कुमार कहलनि कि प्राथमिकी केर प्रक्रिया चैल रहल अछि। ओनाकि आरोपी पति सेहो जरल छथि जिनकर गुप्त इलाज चैल रहल अछि। जिनकर गिरफ्तारी लेल छापामारी सेहो चैल रहल अछि। आरोपी सभ पर जल्दे कार्रवाई होयत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ