एहि दौरान किसान सभ बिहार सरकार पर आरोप लगबैत कहलनि कि दोसर राज्य सभक किसान के कृषि ऋण माफ भ' चुकल अछि। जखनकि केंद्र सरकार एवं राज्य सरकार बिहार के किसान सभक संग सौतेला व्यवहार क' रहल अछि। एहिठामक किसान बर्बाद आओर तबाह भ' रहल छथि।
प्रदर्शनकारी सभक कहब अछि कि प्रखंड सँ ल'क' पटना आ दिल्ली केर गद्दी पर बैसल विकास पुरुष क' समस्तीपुर जिलाक किसान सभ अप्पन समस्या सँ अवगत करौलनि। मुदा किनको ध्यान एहि दीस नहि गेल। एहिलेल परेशान भ' पूरा जिलाक किसान एकजुट भ' मुसरीघरारी थाना के अकलू चौक राष्ट्रीय राज मार्ग एनएच 28 पर अनिश्चित कालीन सत्याग्रह आंदोलन पर बैसल अछि।
आंदोलनकारी सभक कहब अछि कि जाधरि हिनका सभक मांग पूरा नहि होयत, ताधरि ई सड़क सँ नहि हटता। एहि दौरान घटनास्थल पर मुसरीघरारी थाना के पदाधिकारी अप्पन दलबल के संग देखकर देलनि, मुदा किसान सभक तामस देख कुनू अधिकारी द्वारा सत्याग्रह पर बैसल किसान सभसँ बात करबाक हिम्मत नहि देखौलनि। ओतहि, एनएच 28 पर गाड़ी सभक कतार लगातार बढ़ते जे रहल अछि आओर किसान सभक संख्या सेहो लगातार बढ़ते जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।