सात मिनट के भीतर गलती सँ भेजल गेल मैसेज वापस लेबाक WhatsAap फीचर भेल लांच

मुंबई। 01 नवम्बर। [जितमोहन झा (जितू)] कखनो काल एहेन होयत अछि कि जे वाट्सएप मैसेज हमसभ किनको नहि भेजा चाहैत छी, ओ गलती सँ अपने आप चैल जायत अछि। आब एहि स्थिति म' चिंता करबाक कोनो दरकार नहि अछि। बहुत नमहर इंतजार के बाद वाट्सएप द्वारा ‘रिकॉल वा रिवोक मैसेज’ फीचर क' लांच क' देल गेल अछि। यदि किनको लग गलती सँ अपनेक मैसेज चैलियो गेल तँ अपने ओहिके तुरंत मेटा सकैत छी। मतलब ई जे सेंड मैसेज क' अनसेंड कायल जे सकैत अछि। ई नया फीचर एंड्रॉयड, आइओएस व विंडोज फोन के सभ यूजर्स क' उपलब्ध होयत।

वाट्सएप केर संबंध म' जानकारी देबै बला ट्विटर हैंडल ‘वाबेटाइंफो’ केर  मुताविक दुनिया भरी म' एखन एहि फीचर क' अस्थिर - अस्थिर आनल जे रहल अछि। चूंकि वाट्सएप यूजर्स केर संख्या करोड़ो म' अछि, एहिलेल नवा फीचर क' हर देश धरी पहुँचेबा म' किछु समय लागत। ऐहिक ख़ास बात ई होयत कि यूजर ओहि चैट के संदेश क' वापस ल' सकत जाहिमे दुनू दिस अपेडेटेड वर्जन केर इस्तेमाल कायल जे रहल होय। मतलब ई तखने काज करत जखन भेजै बला आओर पाबै बला दुनू गोटा रिकॉल फीचर क' प्रभावी क' चुकल हेथिन। एहि सँ नहि सिर्फ टेक्स्ट बल्कि वीडियो, फोटो व वॉयस मैसेज सेहो मेटाओल जे सकत। संदेश मेटते ‘मैसेज डिलिटेड’ लिखल देखार द' देत। ई सभ संदेश भेजलाक  सात मिनट के भीतर कायल जे सकत। एहि समय सीमा के बाद संदेश रिकॉल या डिलीट नहि कायल जे सकत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ