मुजफ्फरपुर। 08 नवम्बर। मुजफ्फरपुर रेलवे स्टेशन पर ओहि समय अफरा तफरी मची गेल जखन सीट पर बैसबाक लेल दू महिला के बीच माएर शुरू भ' गेल। एहि घटना मे मोतिहारी केँ मंजु देवी के दाहिना कान बुरी तरहे क्षतिग्रस्त भ' गेलनि। पीड़ित महिला केँ कानक निचुलका भाग कटिकेँ झूले लागलनि।
मंजु देवी सप्तक्रांति एक्सप्रेस सँ अप्पन परिवारक संग दिल्ली जाएत रहथिन। ओहि बोगी मे मोतिहारीये के एक दोसर महिला सवार भेली। दुनू केर बीच सीट पर बैसबाक लेल खूब मारएपीट भेल। हंगामा बढ़बाक कारण ट्रेन सेहो समय स' नहि खुजल। मौका पर पहुंचल जीआरपी दुनू महिला केँ ट्रेन सँ उतैर देलनि। दू मे कियो दिल्ली नहि जे सकली। पुलिस एहि मामला मे किछु कहबा सँ इनकार क' देलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।