सीबीआई सूत्र केर मुताबिक ई हत्या पूर्व नियोजित नहि छल मुदा, उक्त छात्र किछु एहेन करे चाहैत रहथिन जाहिसँ परीक्षा केर तिथि आगू बढ़ाओल जे सके। प्राप्त खबैर केर मुताविक गिरफ़्तार छात्र अप्पन सहपाठी सभकेँ कहने रहथिन की किछु एहेन करब जाहि सँ परीक्षा हेबे नहि करत। ऐहिक बाद प्रद्युम्न जहिना बाथरूम मे देखार देलक, हुनकर हत्या क' देल गेलनि। बाथरूम लग लागल सीसीटीवी सँ पूरा घटना केँ पता चलल अछि। सीबीआई केर मुताबिक एहि घटनाक जानकारी आरोपी छात्र के दू सहपाठी केँ सेहो छलैन्ह। ऐहिक संगे सीबीआई इयो स्पष्ट केलनि अछि कि प्रद्युम्न केर हत्या केर मामला कोनो तरहक यौन शोषण सँ जुड़ल नहि अछि।
अपने क' बता दी प्रद्युम्न हत्या केस मे सभसँ पहिने आरोपी बस कंडक्टर अशोक कुमार क' गिरफ़्तार कायल गेल छल। एहि मामला मे आरोपी अशोक के पिता सीबीआई पर आरोप लगबैत कहने रहथिन कि सीबीआई हुनकर बेटा क' रति मे हिरासत मे लेलनि। अशोक कोनो तरहक अपराध नहि केना छल। ओ तेँ माली आओर मास्टर सभके घटना के जानकारी देना छल।
प्राप्त खबैर केर मुताबिक सीबीआई गिरफ़्तार छात्र क' आय बुध दिन जुवेनाइल बोर्डक समक्ष पेश क' सकैत अछि। आरोपी छात्र के उम्र 16 बरख सँ बेसी बताओल जे रहल अछि। सीबीआई केर मुताबिक जुवेनाइल तय करत कि छात्र पर मुकदमा चलाओल जाय वा नहि। सूत्र केर मुताविक गिरफ़्तार छात्र द्वारा पहिने बयान देल गेल छल कि ओ बाथरूम लग माली के सभसँ पहिने देखने रहथिन। सीबीआई एहिसँ पहिनो एहि छात्र सँ कैको बेर पूछताछ क' चुकल छल। गुरुग्राम केँ पुलिस सेहो जांचक दौरान धारा 164 केर तहत छात्र केँ बयान दर्ज क' चुकल अछि।
उल्लेखनीय अछि कि प्रद्युम्न बाथरूम केँ बाहर मृत भेटल छल। हुनकर गर्दैन पर चाकू के गहरा घाव छल। प्रद्युम्न हत्या केस मे गुरुग्राम पुलिस सकूल बस के कंडक्टर अशोक कुमार क' गिरफ्तार केना छल। पुलिस केर मुताविक अशोक अप्पन गुनाह सेहो कबूल केना छल। मुदा बाद मे ओ ई कहैत अप्पन बयान सँ पलैट गेलनि कि ओ पुलिसक दबाव मे आबिकें अप्पन गुनाह स्वीकार केना रहथिन।
ओहिकें बाद प्रद्युम्न केर परिजन सभक मांग आओर बढ़ैत दबावक बीच एहि केस क' राज्य सरकार द्वारा सीबीआई क' सौंपल गेल छल। सीबीआई द्वारा जांचक जिम्मेवारी सम्हारबाक बाद बस कंडक्टर केँ अलावा स्कूल के माली हरपाल, टीचर्स, स्टाफ आओर मैनेजमेंट के लोग सभसँ पूछताछ कायल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।