कटिहार। 08 नवम्बर। रातिक अन्हार मे बच्चा सभक मध्यान भोजन योजना के निवाला क' लगाओल जे रहल छल ठेकाना। एहि पर ग्रामीण सभक नजैर पड़ल तेँ चाउर सहित गाड़ी क' पकैड़ केलनि पुलिस केर हवाले।
प्राप्त खबैर केर मुताविक जिलाक हसनगंज प्रखंड के सपनी गाम मे स्थानीय ग्रामीण सभ मध्य विद्यालय सपनी सँ चोरी सँ बेचल जे रहल आठ बोरी चाउर बरामद केलनि। ओतहि ग्रामीण सभ चाउर बेचबाक आरोप स्कूल के प्रधानाध्यापिका सारा टुडू पर लगौलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।