बिहार म' बड़का प्रशासनिक फेरबदल, 27 IAS क' भेटल नवा जिम्मेवारी, 16 SDO के भेल प्रमोशन

पटना। 02 नवम्बर। बिहार सरकार बहुत दिनक बाद प्रशासनिक विभाग म' बड़का फेरबदल केना अछि। जाहिमे प्रशासनिक सेवा के 27 अधिकारी के नवा जिम्मेवारी सौपल गेल अछि आओर 16 क' एसडीओ सँ उपविकास आयुक्त म' पदोन्नति द' नवा तैनाती देल गेल अछि। ओतहि, भागलपुर एवं नालंदा के नगर आयुक्त क' सेहो बदलल गेल अछि।

एहिसँ संबंधित सामान्य प्रशासन विभाग द्वारा अधिसूचना जारी क' देल गेल अछि। मोतिहारी के डीडीसी सुनील कुमार यादव क' योजना एवं विकास विभाग म' संयुक्त सचिव बनाओल गेल अछि। ओतहि, जयनगर (मधुबनी) के एसडीओ राघवेंद्र सिंह क' गया के डीडीसी, बगहा के एसडीओ धर्मेंद्र कुमार क' मधुबनी के डीडीसी, पटना सिटी एसडीओ योगेंद्र सिंह क' बेतिया, आरा के एसडीओ नवदीप शुक्ला क' सहरसा आओर बाढ़ के एसडीओ सुब्रत कुमार सेन क' नालंदा के बनाओल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने