मधुबनी : प्रधानाध्यापिका पर मध्याहन भोजन केर राशि गबन करबाक आरोप, अनशन क' रहल छथि ग्रामीण

मधुबनी। 18 नवम्बर। हरलाखी प्रखण्ड के विशौल पंचायत अंतर्गत सोहपुर गामक उत्क्रमित मध्य विद्यालय केर प्रधानाध्यापिका पर मध्याहन भोजन केर राशि गबन करबाक, छात्र-छात्रा सभक जिनगी संग खेलवाड़ करब सहित कैको आरोप ल'के स्कूल मे तालाबंदी कायल गेल अछि। ग्रामीण सभ विद्यालय गेट केर सामना पछिला 4 दिनसँ अनशन पर बैसल छथि। ओनाकि स्कूलक प्रधानाध्यापिका केर कहब अछि कि पूरा केँ पूरा मामला राजनीति सँ जुड़ल अछि।

हिन्दुस्तानी आवाम मोर्चा के प्रखंड अध्यक्ष मोहन राम केर नेतृत्व मे ग्रामीण सभ बुध दिन भोर 10 बजे सँ अनिश्चित कालीन अनशन क' रहल छथि। विद्यालय मे व्याप्त अनियमितता केर जांचक मांग ल'के स्कूलक गेट पर अनिश्चितकालीन अनशन कायल जे रहल अछि। अनशन पर बैसल हम पार्टी केर प्रखंड अध्यक्ष मोहन राम द्वारा स्कूल केर प्रधानाध्यापिका व प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी पर मध्याहन भोजन केर राशि गबन सहित कैको आरोप लगाओल गेल अछि। 

मोहन राम कहलनि कि वित्त वर्ष 2011 सँ एखन धरी छात्र छात्रा सभक लेल चलाओल जे रहल योजना सभमे बिना शिक्षा समिति केर बैसार केना  प्रधानाध्यापिका द्वारा मनमाना तरिका सँ कागजी खानापूर्ति करी बड़का घोटाला कायल गेल अछि। ऐहिक जानकारी प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी क' सेहो अछि। ऐहिक बावजूद सभ योजना जेना छात्रवृति, पोशाक राशि व मध्याहन भोजन मे घोटाला चरम सीमा पर अछि। स्कूल मे 50 सँ 70 बच्चा केर उपस्थिति रहैत अछि जखनकि एटेंनडेंस सीट मे 300 सँ 400 बच्चा केर उपस्थिति देखा लाखो टाका गबन कायल गेल अछि। मोहन राम कहलनि कि विद्यालय मे विकास मद मे जे राशि आयल ओहियो मे घोटाला भेल अछि। ऐहिक जांच होयबाक चाही, जाधरि जांच नहि होयत ग्रामीण अनशन करैत रहत। 

ओतहि अनशनरत ग्रामीण सभक कहब अछि कि विद्यालय केर  प्रधानाध्यापिका स्थानीय मुखिया मदन राम केर पत्नी छथि, जाहिक कारण सँ विद्यालय मे मनमानी कायल जे रहल अछि। आक्रोशित ग्रामीण सभ सड़क पर आगजनी, नारेबाजी व प्रदर्शन सेहो केलनि। 

प्रधानाध्यापिका रीता देवी कहलनि कि सभ आरोप बेबुनियाद अछि। निजी राजनीतिक द्वेष केर कारण हुनका पर आरोप लगाओल जे रहल अछि। प्रधानाध्यापिका केँ पति मुखिया मदन राम कहलनि कि मामला पुरान चुनावी रंजिश सँ जुड़ल अछि। जाहिक लेल विरोधी हुनका निशाना बना रहल छथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ