नई दिल्ली। 18 नवम्बर। सीवान मे पत्रकार राजदेव रंजन हत्याकांड केर आरोपीक संग फोटो ल'के लालू प्रसाद यादव के बेटा तेजप्रताप यादव मुश्किल मे फसैत नजैर आएब रहल अछि। सुप्रीम कोर्ट द्वारा आरोपी मोहम्मद कैफ संग तेजप्रताप यादव केर फोटो पर सीबीआई सँ जवाब मांगने अछि। पत्रकार केँ पत्नी आशा रंजन केर वकील चीफ जस्टिस दीपक मिश्रा केर नेतृत्व बला पीठक समक्ष सवाल उठौलनि कि आरोपी संग तेजप्रताप केर फोटो ई साबित करैत अछि कि आरोपी मोहम्मद कैफ क' सत्ता केर संरक्षण भेटल छल।
आशा रंजन केर वकील कहलनि कि आरोपी जमानत पर बाहर छथि आओर हुनकर मजबूत राजनीतिक संपर्क केर चलते पत्रकार के पत्नी आओर हुनकर बच्चा सभक जान खतरा मे अछि। बेंच द्वारा सीबीआई दिस सँ पेश भेल अडिशनल सॉलिसिटर जनरल तुषार मेहता क' रिपोर्ट्स केर अध्ययन करी कोर्ट क' पूरा मामला सँ अवगत करेबाक आदेश देल गेल।
अपने क' बता दी पत्रकार राजदेव रंजन के पछिला बरख13 मई क' हत्या भेल छल आओर संदिग्ध हत्यारा क' बाहुबली शहाबुद्दीन संग देखल गेल छल। शहाबुद्दीन सेहो पत्रकार हत्याकांड मे आरोपी छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।