बिहार केँ गुरुजी सभके भेटल अजीबोगरीब ड्यूटी, गुरूजी सभके भेटल अछि लोटा केर निगरानी करबाक जिम्मेवारी

पटना। 21 नवम्बर। बिहार सरकार सदिखन नवा नवा अद्भुत प्रयोग करैत रहैत अछि। ओहियो मे यदि मुद्दा शिक्षक सभसँ जुड़ल हुवे तेँ ई आओर चर्चा केर विषय बैन जायत अछि। एखन धरी शिक्षक सभके चुनावी ड्यूटी वा मतगणना जेहन काज मे लगाओल जायत छल। मुदा बिहार सरकार आब स्कूली शिक्षक सभक लेल एक नवा फरमान जारी केना अछि। आब शिक्षक सभके खुला मे शौच करनिहार लोग सभ पर नजैर राखे पड़त। एहेन लोग क' देखते फोटो खींचे कहल गेल अछि। माने आब गुरूजी सभके लोटा केर निगरानी करबाक जिम्मेवारी देल गेल अछि। 

एहि संदर्भ मे सभ बीईओ दिस सँ शिक्षक सभके फरमान जारी कायल गेल अछि। एहि फरमान केर तहत आब हाईस्कूल के शिक्षक खुला मे शौच करनिहार सभके रोकत आओर हुनका सभक निगरानी करत। शिक्षक सभके एहि ड्यूटी लेल जता पत्र भेजल गेल अछि ओतहि प्रधानाध्यापक सभके शौचालय निगरानी केर पर्यवेक्षक बनाओल गेल अछि। 

बीईओ द्वारा जारी आदेश केर मुताबिक शिक्षक सभ भोर - सांझ अलग - अलग समय पर खुला मे शौच करनिहार सभक निगरानी करथिन। शिक्षक सभ भोर 5 बजे आओर सांझ 4 बजे रोजाना खुला मे शौच करनिहार सभक निरीक्षण करथिन। अपने क' बता दी शिक्षक सभके देल गेल एहि जिम्मेवारी के पहिने पढ़ेबाक संगे - संग  के 30 अलग काज सेहो भेट चुकल अछि जाहिमे चुनाव सँ ल'के वोटर लिस्ट निर्माण काज आओर जनगणना जेहेन काज सेहो शामिल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ