नेशनल शूटिंग चैंपियनशिप मे मिथिलाक बेटी श्रेयसी सिंह जीतलि गोल्ड मेडल

जुमई। 21 नवम्बर। नई दिल्ली मे आयोजित 61वीं नेशनल शूटिंग चैंपियनशिप मे महिला महिला सभक डबल ट्रैप स्पर्धा मे जुमई केँ बेटी श्रेयसी सिंह कैल्हि सोम दिन स्वर्ण पदक जीत मिथिलांचलक मान बढ़ौलनि। केंद्रीय मंत्री रही चुकल दिग्विजय सिंह आओर बांका केर पूर्व सांसद पुतुल कुमारी केँ बेटी श्रेयसी ई उपलब्धि मध्य प्रदेश केँ वर्षा वर्मन क' 92-87 सँ हरा शीर्ष स्थान हासिल केलीह। 

एहिसँ पहिने 2014 मेँ श्रेयसी अप्पन प्रदर्शन सँ लोग सभक ध्यान अपना दिस आकर्षित केना छली। एहि बरख ग्लासगो मे आयोजित राष्ट्रमंडल खेल मे श्रेयसी 92 अंक हासिल करि डबल ट्रैप स्पर्धा मे रजत पदक जीतना छली। श्रेयसी सिंह के स्वर्ण पदक जीतला पर हुनका सगर बिहार सँ बधाई भेट रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने