सुपौल। 21 नवम्बर। सुपौल जिलाक गणपतगंज स्थित बिष्णु मंदिर सँ लाखों टाकाक चोरी भेल समानक बरामदगी आओर चोरी केर खुलासा एखन धरी भेबो नहि कराल कि चोर सभ पीपरा थाना क्षेत्र केँ एक मंदिर क' अप्पन निशाना बना लेलनि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पीपरा थाना क्षेत्र केँ आनंदीपट्टी स्थित राम-जानकी मंदिर सँ चोर सभ राम, सीता, लक्ष्मण आओर हनुमान जी केँ बेशकीमती मूर्ति चोरा लेना अछि।
एहि घटनाक जानकारी स्थानीय लोग सभके तखन भेटल जखन आय भोर लोग सभ मंदिर मे पूजा करबाक लेल पहुंचल। मंदिर मे मूर्ति नहि देख लोग सभ समस्त ग्रामीण क' ऐहिक सूचना देलनि। सूचना पर एकत्रित भेल ग्रामीण सभ मंदिर के बगल म' एनएच 106 क' जाम करी खूब प्रदर्शन केलनि।
जाम केर सूचना पर पहुंचल पुलिस लोग सभके समझा बुझा जाम क' हटौलनी। स्थानीय लोग सभक मुताबिक चोरी भेल मूर्ति करीब 80-90 बरख पुरान छल, जाहिक दाम करोड़ों टाका बताओल जे रहल अछि। पीपरा थानाध्यक्ष शिव शंकर कुमार कहलनि एहि मामला मे तुलापट्टी पंचायत केँ बहुअरवा गामक नागेंद्र सिंह क' हिरासत मे लेल गेल अछि, जिनका सँ पूछताछ कायल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।