फेसबुक सँ यथार्थक धरातल पर ऐतिहासिक रहल सहरसा ग्रुप मिलन समारोह

सहरसा। 07 नवम्बर। [कुमार रविशंकर] पछिला रवि दिन 5 नवम्बर क' सहरसा केँ रमेश झा महिला महाविद्यालय मे फेसबुक सँ यथार्थक धरातल पर सहरसा ग्रुप मिलन समारोह केर भव्य आयोजन ऐतिहासिक सफलताक संग संपन्न भेल। 


रवि दिन 3 बजे सँ शुरू भेल सहरसा ग्रुप मिलन समारोह मे सांस्कृतिक कार्यक्रम, नाटक, कवि-सम्मेलन समेत बहुतो तरहक आयोजन कायल गेल। समारोह केर उद्घाटन मे रमेश झा महिला महाविद्यालय केर प्राचार्या डाॅ. रेणु सिंह, राजेंद्र मिश्र महाविद्यालय केर प्राचार्य डाॅ. आर. बी. झा, सर्वनारायण सिंह महाविद्यालय केर प्राचार्य डॉ. के. एस. ओझा,  राष्ट्रपति पुरस्कार सम्मानित शिक्षाविद् विक्रमादित्य ख़ाँ, सदर एस. डी. पी. ओ. प्रभाकर तिवारी, पूर्व विधायक डॉ. आलोक रंजन, किशोर कुमार मुन्ना, समाजसेवी डाॅ. शशिशेखर सम्राट, स्वराज अस्पताल केँ निदेशक डाॅ. रमण झा, जिला कबड्डी संघ केर सचिव मनोरंजन सिंह, क्रिकेट संघ केर सचिव रोशन सिंह धोनी समेत बहुतो रास गणमान्य लोकनि मील दीप प्रज्ज्वलित करि कार्यक्रम केर उद्घाटन केलनि। 


एहि उपरांत मिथिलाक संस्कृति केर अनुरूप सभ गणमान्य लोकनिक पाग -चादर सँ सम्मानित कायल गेलनि। समारोह केँ उद्घाटन भाषण मे डॉ. आलोक रंजन, किशोर कुमार सिंह मुन्ना, राकेश सिंह आओर साकेत आनंद द्वारा सोशल मिडिया व सहरसा ग्रुप केर संबंध मे अप्पन - अप्पन राखलनि। 


एहि बरखक समारोह मे बदहाल शिक्षा, बदलता सहरसा विषय पर सेमिनार केर आयोजन कायल गेल छल। जाहिकेँ प्रगति क्लासेज केँ निदेशक श्री चंदन कुमार, एम्बीशन कैरियर जंक्शन केँ निदेशक श्री संदीप कश्यप, एलकेमिक क्लासेज केँ निदेशक नितेश रंजन, समिधा ग्रुप मधेपुरा केँ चेयरमेन श्री संदीप शांडिल्य, करतार कोंचिंग सहरसा केँ श्री राजेश किशोर, डाॅ. के.एस.ओझा, श्री विक्रमादित्य खाँ,  डॉ. रेणु सिंह , श्री प्रभाकर तिवारी आदि लोकनि सम्बोधित केलनि। 

समारोह मे उपस्थित सभ वक्ता लोकनि द्वारा सहरसा क' सुन्नर सहरसा, शिक्षित सहरसा केर दिशा मे एक संग मिल काज करबाक आओर शिक्षा सँ जुड़ल लोकनि व संस्थान सभके सम्मान देबाक बात पर बल देलनि।  सेमिनार मे ईस्ट एंड वेस्ट टीचर्स ट्रेनिंग इंस्टिट्यूट केर चेयरमैन डाॅ. रजनीश रंजन एक विडियो मैसैज द्वारा सहरसा ग्रुप केर माध्यम सँ सहरसा मे एक विश्वविद्यालय केर निर्माण करबाक बात कहलनि आओर शिक्षा सँ जुड़ल लोग सभसँ सहयोगक मांग केलनि। समारोह मे किछु कारण सँ उपस्थित नहि भ' सकल साहित्य अकादमी सँ सम्मानित डाॅ. शेफालिका वर्मा आ सहरसा के पूर्व सदर एस.डी.ओ. श्री सौरभ जोरवाल सेहो अप्पन शुभकामना सन्देश वीडियो मैसेज केर द्वारा भेजलनि। 

सकारोह मे शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान केर कलाकार सभ द्वारा लोकगीत आ लोकनृत्य केर मनमोहक प्रस्तुति कायल गेल, ओतहि मैलोरंग संस्था केर राजीव रंजन झा द्वारा उमाशंकर सिंह कृत "मत रो मेरे पापा" एकल नाटक केर प्रस्तुति समारोह केँ यादगार बना देलनि। 

यूट्यूब पर अप्पन विडियो सँ सदिखन चर्चा मे रहनिहार बिभुनंदन सिंह सेहो अप्पन अभिनय केर करैत नाना पाटेकर आ अमिताभ बच्चन केर  मिमीक्री सँ खूब तालि बटोरलनि। समारोह केँ अगिला सत्र मे कवि सम्मेलन केर आयोजन भेल जाहिमे कैलाश झा किंकर, सियाराम यादव, मयंक, शेखर सावंत, स्वाति शाकम्भरी, सुमेन शेखर आजाद, मुख्तेश्वर सिंह मुकेश, आनंद झा, अरविंद मिश्र नीरज आदि कवी लोकनि कविताक पाठ केलनि। 

समारोह केर अंतिम चरण मे सहरसा ग्रुप दिस सँ रमेश झा महिला महाविद्यालय केर प्राचार्या डॉ. रेणु सिंह, सदर एस.डी.पी.ओ. प्रभाकर तिवारी, पूर्व विधायक डॉ. आलोक रंजन, पूर्व विधायक किशोर कुमार मुन्ना, समिधा ग्रुप केर चेयरमेन संदीप शांडिल्य,  प्रगति क्लासेज, सहरसा के निदेशक श्री चंदन कुमार, एम्बीशन कैरियर जंक्शन केँ निदेशक संदीप कश्यप, एलकेमिक क्लासेज केँ निदेशक नितेश रंजन, करतार कोंचिंग, सहरसा केँ राजेश किशोर, शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान केँ कुंदन वर्मा, पंख के सी.ई.ओ. बिभु  नंदन सिंह, मैलोरंग केँ कलाकार, राजीवरंजन झा, फोटो जर्नलिस्ट विपिन कुमार सिंह सहित सभ कवी लोकनि क' स्मृति चिन्ह भेंट करि सम्मानित कायल गेलनि। 

सहरसा ग्रुप मिलान समारोह केर संचालन आनंद झा केलनि आओर धन्यवाद ज्ञापन सोमू आनंद अप्पन चिर-परिचित अंदाज मे देलनि। सहरसा फेसबुक ग्रुप केँ एहि बेर दोसर बरख एहि तरहक भव्य कार्यक्रम पूरा इलाका केँ सोशल मीडिया केर उपयोग कहनिहार सभक बीच एक सुखद याद छोईड़ गेल। 

एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ

  1. मिथिला दैनिकक प्रकाशन सुनि बड नीक लागल . हम अवस्य अपन कविता सब भेजब . हमरा ले गौरवक बात थीक .
    अशेष प्यार आ शुभकामनाक संगे
    डॉ शेफालिका वर्मा , दिल्ली ..

    जवाब देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।