माँ श्यामा मंदिर केर प्रांगण मे शरू भेल नवाह यज्ञ केर आयोजन मे 751 कुवारी कन्या भाग लेलीह। सभ कुवारी कन्या दरभंगा केँ 9 प्रमुख देवी -देवता केर मंदिर मे पहुंच देवी -देवता केर आवाहन करैत नोत देली, जाहिक बाद वापस माँ श्यामा मंदिर पहुंच कलश केर स्थापना केली। कलश स्थापन केँ बाद सभ कुवारी कन्या केँ बीच प्रसाद वितरण काएल गेल। ऐहिक बाद माँ श्यामा मंदिर समिति केर तत्वावधान मे हर बरखक भांति एहियो बरख "श्यामा संदेश" नामक पोथी केर लोकार्पण काएल गेल।
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय एवं संस्कृत विश्वविद्यालय केँ कुलपति आ प्रतिकुलपति समेत दरभंगा केँ मेयर, कमिशनर आओर जिला अधिकारी केर उपस्थिति मे कार्यक्रम केँ उद्घाटन10:30 बजे भेल। जाहिक बाद हवन के संग माँ श्यामा नामधुनक सकिर्तन शुरू भेल। अपने क' बता दी 9 दिन धरी चलाई बला नवाह यज्ञ केर श्यामा नामधुनक सकिर्तन मे मिथिलाक लोकप्रिय कलाकार ममता ठाकुर, विभा झा समेत बहुतो रास कलाकार भाग लेबै बला छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।