एक पुलिस अधिकारी कहलनि कि युवक के लाश भेटल अछि जिनका घसीटबाक निशान सेहो भेटल अछि। जाहिर तौर पर बहुत तड़पलाक बाद युवक के मौत भेल अछि। संदीप के हत्या हुनका घर म' कायल गेल अछि। संदीप बस म' खलासी के काज करैत छलाह, आओर हुनकर माता- पिता दिल्ली म' रहैत छलैन्ह। हत्याक घरी ओ घर म' असगरे छलाह।
बताओल जे रहल अछि कि हत्यारा सभ हुनका मारबाक बाद घर के मुख्य दरवाजा भीतर सँ बंद क' देना छल आओर देबाल फैंग फरार भ' गेल छल। पुलिस द्वारा शव क' कब्जा म' ल' पोस्टमार्टम लेल भेजल गेल अछि। एहि वारदात सँ पूरा इलाका म' सनसनी आओर मातम पसरल अछि।
एहि घटना केर संबंध म' डीएसपी पूर्वी गौरव पांडेय कहलनि कि पछिला किछु दिन पहिने संदीप आओर हुनकर पड़ोसी शंभू मंडल के बेटाक बीच कुनु बात ल'क' कहासुनी भेल छल। फिलहाल एहि मामला म' किनको गिरफ्तारी नहि भेल अछि। घटना स्थल स' एफएसएल केर टीम कैको नमूना एकत्रित केना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।