भागलपुर : अवैध बंदूक कारखाना के भंडाफोड़, 6 गिरफ्तार

भागलपुर। 01 नवम्बर। भागलपुर जिलाक अकबरनगर थाना क्षेत्र म' पुलिस द्वारा एक अवैध मिनी बंदूक कारखाना केर भंडाफोड़ करैत छह गोटा केँ गिरफ्तार कायल गेल अछि। पुलिस एहिठाम सँ बहुत मात्रा म' निर्मित आओरअर्धनिर्मित हथियार आ हथियार बनेबा म' उपयोग होय बला  औजार सेहो बरामद केना अछि।

भागलपुर के वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार कहलनि कि पुलिस द्वारा गुप्त सूचना केर आधार पर कैल्हि मंगल दिनक सांझ गंगा नदी के कात म' कोड़रा भिट्ठा गाम सँ भारी मात्रा म' हथियार के जखीरा बरामद कायल गेल अछि। एता अवैध ढंग सँ हथियार केर निर्माण काज भ' रहल छल। एता स' पुलिस द्वारा 46 अर्धनिर्मित पिस्तौल व एक तैयार पिस्तौल, 95 अर्धनिर्मित मैगजीन आओर भारी मात्रा म' पिस्तौल बनबै बला औजार बरामद कायल गेल अछि। 

मनोज कुमार आशंका जतौलनि कि हथियार सभक एहि जखीरा क' नक्सलि सभके भेजबाक तैयारी चलैत छल। वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक कहलनि कि पुलिस द्वारा हथियार बनबैत छह लोग क' गिरफ्तार कायल गेल अछि, जिनका सभक पहिचान मुंगेर के बरधे गाम निवासी मोहम्मद शोएब आलम, सरफराज, मोहम्मद औरंगजेब, मोहम्मद मुबारक, मोहम्मद शौकत आओर मोहम्मद डब्लू के रूप म' कायल गेल अछि। आगा ओ कहलनि गिरफ्तार लोग सभके विशेष तौर पर मुंगेर सँ एहिठाम  हथियार बनेबाक लेल बजाओल गेल छल। पुलिस सभसँ पूछताछ क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ