देशक हर एक थारी मे एक बिहारी व्यंजन पहुंचायब हमर लक्ष्य अछि : नीतीश कुमार

पटना। 10 नवम्बर। बिहार मे तेसर कृषि रोडमैप केर कैल्हि गुरु दिन शुभारंभ कायल गेल। राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद रोडमैप केर शुभारंभ केलनि। एहि दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि आजुक दिन सँ नवा युग केँ शुरुआत भ' रहल अछि। नीतीश कुमार कहलनि कि जल्दे देशक हर थारी मे एक बिहारी व्यंजन पहुँचायब हमर लक्ष्य अछि। आगा ओ कहलनि कि तेसर कृषि विकास योजना के तहत पांच बरख मे12 विभाग केर माध्यम सँ विभिन्न योजना पर 1. 54 लाख करोड़ टाका खर्च कायल जायत। 

पटना के सम्राट अशोक कन्वेंशन सेंटर मे योजना केर शुभरांभक मौका पर नीतीश कुमार कहलनि कि तेसर कृषि रोडमैप केर लक्ष्य किसान सभक आमदनी बढ़ेबाक अछि। ऐहिक लेल हर क्षेत्र मे काज कायल गेल अछि। आगा ओ कहलनि कि 76 प्रतिशत लोग बिहार मे आजीविकाक लेल कृषि पर निर्भर अछि। एतेक बड़का आबादी केर आमदनी बढ़ला सँ राज्य समृद्ध बनत। 

मुख्यमंत्री कहलनि कि किसान सभके मदैद देबाक लेल हमसभ कृषि यंत्र उपलब्ध करा रहल छी, सब्सिडी द' रहल छी। स्थानीय स्तर पर कृषि यंत्र केर उत्पादन क' बढ़ावा देबाक लेल स्थानीय निर्माता सभके प्रोत्साहित करे चाहैत छी। दूध, माछ, अंडा केँ उत्पादन मे आत्मनिर्भर भ' एहि सभके दोसर राज्य सभक बाजार धरी पहुँचाओल जायत। ऐहिक लेल बिहार केँ खेत आओर किसान दुनू उपयुक्त अछि। 

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि सिंचाई केँ नीक व्यवस्था लेल सिंचाई विभाग क' अंदरुनी तौर पर दू हिस्सा मे बांटल गेल अछि। एक हिस्सा बाढ़ि नियंत्रण केँ काज देखत आओर दोसर हिस्सा सिंचाई परियोजना सभके देखत। आगा ओ कहलनि कि किसान सभक लेल सहकारी समिति बनाओल जायत, जाहिमे किसान सभक आधारभूत संरचना केर विकास कायल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ