मधुबनी : पिता केर श्राद्ध कर्म खत्म होयते पुत्र केँ भेलनि मौत

मधुबनी। 10 नवम्बर। भगवानक ह्रदय एतेक कठोर कोना भ' सकैत अछि, परिवार मे घरक नींव केर गिरबाक दुख खत्म नहि भेल कि भगवान एक आओर घरक सहारा केँ अपना लग बजा लेलनि।

प्राप्त खबैर केर मुताविक हरलाखी थाना केँ गंगौर गाम निवासी छोटे यादव अप्पन पिता केर 13वीं पर घर मे बिजली वायरिंग केँ काज करैत रहथिन। 13 दिन पहिने हुनकर पिता केर  देहांत भेल छल। बेटा पिता केर अंतिम इच्छाक लेल 13वीं पर घर मे भंडारा केँ भोजक तैयारी मे जुटल छलाह।

ओतहि, घर मे वायरिंग करबाक दौरान ओ करंट केर चपेट मे आएब गेला।  परिजन सभ आनन-फानन मे हुनका बगल के निजी क्लीनिक ल' गेलनि जता चिकित्स सभ हुनका मृत घोषित क' देलनि। मृतक छोटे यादव अप्पन माता- पिता केर इकलौता पुत्र छलाह। घटना के बाद सँ पूरा गाम म' मातम पसरल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने