प्रदर्शनकारी सभ मुख्यमंत्री सँ अविलम्ब एसडीओ 'सौरभ जोरवाल' केर स्थानांतरण रोकबाक मांग करैत कहलनि कि जाधरि हुनकर स्थानांतरण पर रोक नहि लगाओल जायत दोकान सभ बंद रहत आओर अहियो सँ उग्र प्रदर्शन कायल जायत।
राजद जिलाध्यक्ष जफर आलम कहलनि कि सौरभ जोरवाल केँ सहरसा वासी कहियो नहि बिसैर सकैत छथि। एसडीओ सौरभ जोरवाल किछे समय मए शहर म' जाम केर समस्या, सुपर बाजार परिसर केर कायापलट, जलजमाव सँ मुक्ति केर प्रयास, साफ-सफाई, विधि व्यवस्था सुधार, मत्स्यगंधा झील केर कायापलट जेहन महत्वपूर्ण काज केलनि, जाहिके शहर केँ कहियो नहि बिसैर सकैत छथि।
आय सांझ 4 बजे शहर के एम. एल. टी. कॉलेज परिसर म' सदर एसडीओ सौरभ जोरवाल केँ विदाई समारोह केर आयोजन कायल जे रहल अछि। उक्त स्थल पर हुनकर विदाई समारोह के संगे संग नवपदस्थापित एसडीओ 'प्रशांत कुमार' केर अभिनंदन समारोहक आयोजन सेहो कायल जे रहल अछि।
एसडीओ सौरभ जोरवाल के स्थानांतरण सँ जता लोग सभके मलाल अछि ओतहि नवपदस्थापित आइएएस अधिकारी प्रशांत कुमार सीएच केर आगमन सँ लोग सभ खुश छथि किएक जे आबै बला अधिकारी सेहो आईएएस छथि। नवपदस्थापित अधिकारी प्रशांत कुमा स' लोग सभक बहुत उम्मीद बढ़ल छैन्ह। 2015 बैच के तेज तर्रार आइएएस अधिकारी प्रशांत कुमार लग शहर मए पूर्व एसडीओ सौरभ जोरवाल द्वारा कायल गेल काज क' आगू बढ़ेबाक जिम्मेवारी बढ़ल छैन्ह।
शहर क' अतिक्रमण सँ मुक्त राखब, सुपर बाजार केर स्वरूप क' स्थापित राखब, सब्जी बाजार क' अतिक्रमणकारी सभसँ मुक्त राखब, कालाबाजारी पर नकेल कसब एहेन कैको मामला मे पारदर्शिता बना राखब नवा एसडीओ केर समक्ष चुनौतीक रूप म' सामना आयत। सचिवालय म' पदस्थापित आईएएस अधिकारी केँ सहरसा एसडीओ केर रूप म' पदस्थापन सँ आमजन म' ख़ुशी देखल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।