सहरसा : छात्रा संग छेड़खानी कराए बला शिक्षक क' कारिख पोती घुमाओल गेल

सहरसा। 02 नवम्बर। सहरसा जिलाक बिहरा थाना क्षेत्र केँ कन्या विद्यालय म' गुरु-शिष्या केर रिश्ता क' कलंकित करबाक मामला सामना आयल अछि। जता लोग सभ एक शिक्षक क' छात्रा केर संग छेड़खानी करैत रंगल हाथ पकड़लनि आओर हुनकर खूब कुटाय केलनि। ओहिक बाद तमसायल भीड़ ओहि शिक्षक के मुंह पर कारिख पोती हुनका घुमौलानी। 

उक्त घटना सहरसा जिलाक बिहरा थाना क्षेत्र केँ कन्या विद्यालय सेवाश्रम पटोरी के अछि। लोग सभक मानी तेँ स्कूल के शिक्षक लुकमान अली स्कूले म' आठवीं म' पढाई बाली एक छात्रा सँ छेड़खानी करैत रहथिन। ओतहि, छात्रा सेहो स्कूल के आन शिक्षक सभक संगे संग ग्रामीण सभके सेहो एहि जानकारी देलनि।

एहि बातक खबैर भेटते ग्रमीण सभ आक्रोशित भ' शिक्षक केर खूब कुटाई केलनि आओर हुनकर मुंह पर कारिख पोती हुनका घुमौलानी। एहि दौरान मौक़ा पर पहुंचल पुलिस क' सेहो लोग सभक पकड़ स' आरोपी क' छोड़ेबा म' खूब मशक्कत करे परलनि। आक्रोशित लोग सभ शिक्षक केर खिलाफ कड़ा कार्रवाई करबाक मांग क' रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने