दरभंगा : जहरीला चाय पीला सँ एकहि परिवार केँ चारि गोटाक मौत

दरभंगा। 02 नवम्बर। बहादुरपुर थाना क्षेत्र के पतोर ओपी अंतर्गत उघरा गाम म' एक बहुतही दर्दनाक हादसा सामना आयल अछि। उघरा गाम म' एकहि परिवार केँ चारि गोटाक जहरीला चाय पीला सँ मौत होयबाक खबैर अछि। मौका पर पहुंचल पुलिस शव क' पोस्टमार्टम लेल भेज देना अछि।

डीएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि कि लालू महतो के घर म' आय भोर जखन चाय बनैत छल तेँ चायपत्ती खत्म भ' गेल छल। ऐहिक बाद लालू महतो के पत्नी बगल के दुकान पर चायपत्ती आने चल गेली। एहि बीच लालू महतो के सात बरखक बेटी गुड़िया कुमारी कागज के पुड़िया म' राखल फोरेड नामक कीटनाशक जाहिक रंग चायपत्ती जोका छल, ओहिके चायपत्ती बुझी चाय म' खसा देली।

एहि चाय क' पीला सँ 11 बरखक प्रकाश कुमार, 7 बरखक अर्चना कुमारी, दुखन महतो आओर रामस्वरूप महतो के मौत भ' गेलनि। एक महिला उर्मिला देवी गम्भीर अवस्था म' इलाजरत छथि। पुलिस फिलहाल पूरा मामला के जांच क' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ