ऑल इंडिया राइटिंग कम्पीटीशन्स विजेता "उज्जवल कुमार झा" के टटका रचना

दरभंगा। 24 नवम्बर। दरभंगा जिलाक बसुआरा निवासी "उज्जवल कुमार झा" हिन्दी आओर मैथिली भाषाक प्रख्यात युवा लेखक छथि। हिनकर रचना के लेल एहि बरख हिनका "ऑल इंडिया राइटिंग कम्पीटीशन्स 2017" के विजेता घोषित कायल गेल छल। 

आय उज्जवल कुमार झा जीक जन्मदिन छियैन ओ अप्पन जन्मदिनक उपलक्ष पर एक सनेस मिथिलांचल वासी लेल "दहेज प्रथा" पर कविता के रूप म' भेजना छथि। प्रस्तुत अछि हुनकर रचना.......


खत्म करू अई कुप्रथा के, हम दई छी एतबे संदेश
दहेज़ प्रथा आब बइन गेलइया, बेटी सब लेल बहुत क्लेश 
कतेक बहिन अहिना मइर गेली,
बापक लाज बचाबै लेल 
कतेक बहिन सासुर स्अ घूमलई,
दहेज़ नई चुकाबै लेल
सासुर मे सब मिल कहई छथि, खाली हाथे एलउ हन 
अप्पन बापक घर स् कनियाँ, अहाँ  किछू नई लेलउ हन
कहियौ की राखल छई उज्जवल, ई दहेज़क झोली में
किया बेटा बेचल जाइत अछि बड़का-बड़का बोली में
जई घर मांगब दहेज़क पेटी, ओई घर नई भेजब हम बेटी
आउ सब मिल आब प्रण करई छी , दहेज़ प्रथा हटाबै के
बहिन बेटी के उजरैत घर के दहेज़ मुक्त क् बचाबै के।
  

© ‌सर्वा‌‌धिकार सुरक्षित -  ✍ उज्जवल कुमार  झा
सम्पर्क सुत्र -  +91 8617783868

"मिथिला दैनिक" परिवार दिससँ उज्जवल झाजी के जन्मदिनक अनेकानेक शुभकामना आओर बधाई। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ