एहि सभके देखैत मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) केर आह्वान पर एमएसयू केर सेनानी सभ आय अप्पन 11 सूत्री मांग ल'के विशाल छात्र आंदोलन केर आयोजन म' भाल लेबा ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय पहुंचला। मिथिला स्टूडेंट यूनियन केँ सेनानी अविनाश भारद्वाज कहलनि कि मिथिलांचल वासी जतेक विद्यार्थी छथि जे सभ एहि विश्वविद्यालय केर अंतर्गत अप्पन पढ़ाई क' रहल छथि, हुनका सभक हक़ आओर अधिकारक लेल आय एहि विशाल छात्र आंदोलन केर आयोजन कायल गेल अछि। अविनाश भारद्वाज आगू कहलनि कि ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे हर बरख लाखो टाका छात्र हित लेल आबैत अछि, जाहिके उपयोग छात्र हित मे नहि क' घपला क' लेल जायत अछि।
एमएसयू सेनानी सागर नवदिया आंदोलन मे उपस्थित समस्त सेनानी क' संबोधित करैत कहलनि कि सरकारी प्रोफेसर कॉलेज मे पढ़ेबाक बदला अप्पन निजी कोचिंग खोइल बैसल छथि आओर हम सभ 50 किलोमीटर दूर दूर सँ पढ़बाक लेल दरभंगा आबैत छी, हम सभ एहि सरकारी प्रोफेसर सभके पाई द' हुनका सभक कोचिंग मे पढ़ैत छी।
एमएसयू सेनानी टीम कुलपती संग लगातार डेढ़ घंटा धरी अप्पन मांग लेल वार्ता केलनि। वार्ता मे सत्र नियमित चलाओल जाए, विश्वविद्यालय केर अंतर्गत आबै बला 21 कॉलेज मे 1 माह केँ भीतर वाईफाई, सीसीटीवी कैमरा लगाओल जाए, होस्टल, कॉलेजक साफ सफाई सहित 11 सूत्री मांग पर शीघ्रता सँ ध्यान देल जाए, एहि पर चर्चा भेल। एहि सभके देखैत मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) केँ 11 सूत्री मांग क' स्वीकार करैत कुलपति लिखित आश्वासन दैत कहलनि कि जल्दे एहि सभ समस्या केर निवारण कायल जायत।
विश्वविद्यालय कैम्पस मे उपस्थित सभ छात्र एक संग एमएसयू जिंदाबाद, विश्वविद्यालय प्रशासन मुर्दाबाद केर नारा लगेलनि। आंदोलन मे उपस्थित समस्त एमएसयू सेनानी कुलपति केर पुतला सेहो दहन केलनि आओर ई खबैर लिखैत धरी आंदोलन एखनहुँ जारी अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।