
पटना। 30 नवम्बर। जदयू के केरल सँ राज्यसभा सांसद आओर केरल इकाई के अध्यक्ष एम.पी. वीरेंद्र कुमार कैल्हि बुध दिन राज्यसभा केर सदस्यता सँ इस्तीफा देबाक ऐलान केलनि। वीरेंद्र कुमार कहलनि कि ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर नेतृत्व बला पार्टी केर सांसद नहि बनल रहे चाहैत छथि।
मलयाली अखबार ‘मातृभूमि’ केर चेयरमैन आ प्रबंध निदेशक वीरेंद्र कुमार पीटीआई मे सेहो निदेशक छथि। वीरेंद्र कुमार कहलनि कि हम राज्यसभा सँ इस्तीफा देबाक फैसला लेना छी। हम संघ परिवार मे शामिल भेल नीतीश कुमार के पार्टी सँ राज्यसभा सदस्य बनल नहि रहे चाहैत छी। वीरेंद्र कुमार मार्च 2016 मे राज्यसभा लेल निर्वाचित भेल छाला। वीरेंद्र कुमार कहलनि कि हम माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' पहिने अप्पन फैसलाक जानकारी द' चुकल छी। विरेंद्र कुमार आगा कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हमरा इस्तीफा नहि देबाक लेल कहला मुदा हम हुनका आओर हुंकार पार्टी क' अप्पन फैसला केर जानकारी द' देलहुँ।
अपने क' बता दी बिहार मे बीजेपी केर समर्थन सँ सरकार बनेबाक फैसला केँ बाद सँ जदयू मे बगावतक सुर सामना आयल छल। वीरेंद्र कुमार ओहि समय कहने रहथिन कि ओ नीतीश कुमार केर फैसला सँ खुश नहि छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।