मुजफ्फरपुर : पुलिस फेकलक जाल तेँ माछक जगह निकलल शराब केँ 1771 बोतल

मुजफ्फरपुर। 06 नवम्बर। बिहार मे शराबबंदी लागू भेला लगभग दुइ बरख होमे जे रहल अछि। मुदा शराब माफिया एक सँ एक नवा तरिका केर  खोज क' रहल छथि। एक एहने मामला मुजफ्फरपुर जिलाक कटरा थाना क्षेत्र मे उजागर भेल अछि। जाता शराब तस्कर सभ एक तालाब मे बहुत मात्रा मे शराब केँ बोतल नुका के राखने छल। पुलिस क' भेटल एक सूचना केर आधार पर जखन ओहि तालाब मे खोजबीन कायल गेल तेँ तालाब सँ 1771 शराब केर बोतल बरामद कायल गेल। एहि मामला मे एखन धरी किनको गिरफ्तारी केर खबैर नहि अछि। 

कटरा के थाना प्रभारी रतन कुमार यादव कहलनि कि पुलिस क' गुप्त सूचना भेटल छल कि धनौर गामक एक तालाब मे भारी मात्रा मे शराब केँ बोतल नुका केँ राखल गेल अछि। पुलिस कैल्हि रवि दिन देर सांझ तालाब मे ग्रामीण आओर गोरही सभक मदैद सँ पैनक भीतर सँ 1771 शराब केर  बोतल जब्त केलनि। 

थाना प्रभारी रतन कुमार यादव कहलनि कि एहि मामला मे कटरा थाना मे  एक प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि, जाहिमे आठ लोग क' नामजद आरोपी बनाओल गेल अछि। आगा ओ कहलनि कि एहि मामला मे आरोपी सभक गिरफ़्तारी लेल छापामारी कायल जे रहल अछि। उल्लेखनीय अछि कि बिहार मे पछिला बरख अप्रैल माह सँ शराब पर पूरा तरहे प्रतिबंध लगाओल गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ