केन्द्र सरकार के बिहार क' सौगात, कटिहार म' खुजत बिहार के पहिल स्टील साइलो गोदाम

कटिहार। 02 नवम्बर। केन्द्र सरकार द्वारा बिहार क' सौगात दैत कटिहार म' राज्य के पहिल स्टील साइलो गोदाम खोलबाक स्वीकृति देल गेल अछि। खाद्यान सभक नीक संरक्षण सुनिश्चित करबाक दिशा म' ई एक नीक डेग अछि। केन्द्रीय खाद्य उपभोक्ता मामला आओर सार्वजनिक वितरण मंत्री रामविलास पासवान द्वारा बिहार के पहिल स्टील साइलो गोदाम केर  कटिहार म' शिलान्यास कायल गेल। एहि मौका पर केंद्रीय मंत्री राम विलास पासवान कहलनि कि वर्तमान म' देशक आबादी करीब सवा सौ करोड़ केर आंकड़ा पार क' चुकल अछि। आओर 130 करोड़ केर  आबादी म' एखन भारत सरकार 81 करोड़ लोग क' दू टके किलो गहूम आओर तीन टके किलो चाउर दैत अछि।

रामविलास पासवान कहलनि कि लोग सभके दू टके किलो भेटै बला गहूम  भारत सरकार 22 टके किलो किनैत अछि। जखनकि 33 टके किलो चाउर किनल जायत अछि। गरीब सभके ई नाम मात्रा दाम पर देल जायत अछि।  आगा ओ कहलनि कि केन्द्र सरकार, बिहार म' सभसँ बेसी खाद्यान उपलब्ध कराबैत अछि।

रामविलास पासवान जानकारी दैत कहलनि कि बिहार केँ कुल आबादी के  85 फीसदी हिस्सा दू टके किलो गहूम आओर तीन टके किलो चाउर के उपयोग करैत अछि। कटिहार एहेन शहरी आबादी जिला म' करीब 75 फीसदी हिस्सा सस्ता अनाज केर उपयोग करैत अछि।  

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने