पटना। 02 नवम्बर। बिहार राज्य महिला आयोग केर पुनर्गठन कायल गेल अछि, जाहिक अध्यक्ष दिलमणि मिश्रा क' बनाओल गेल अछि। कैल्हि बुध दिन आयोग के सदस्य सभक संग दिलमणि मिश्रा अप्पन पदभार ग्रहण केलीह।
दिलमणि मिश्रा कहलनि कि हुनका महिला आयोग केर अध्यक्ष बनाओल गेल अछि। वो महिला सभक लेल खूब नीक जोका काज करती। आगा ओ कहलनि कि हुनकर प्राथमिकता होयत कि महिला सभक संग कतहुँ भी कोनो तरहक अन्याय भेल तँ ओ हुनका संग ठाढ़ रहती। ऐहिक संगे ओ कहलनि कि बहुत रास केस म' देखल गेल अछि की महिले सँ महिला प्रताड़ित होयत छथि। एहेन स्थिति म' महिला सभके बुझाओल जायत कि ओ सभ हिलमिल रहैथ। महिला कौम आपस म' नहि लड़ैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।