'सिद्धपीठ वाणेश्वरी स्थान' लेल दरभंगा प्रमंडलीय कार्यालय केर समक्ष एक दिवसीय धरना केँ आयोजन

दरभंगा। 10 नवम्बर। [विजय कुमार झा] अप्पन चारि सूत्रीय मांग ल'के श्री संजीव कुमार झा केर अध्यक्षता मे भंडारिसम - मंकरन्दा पंचायत सहीत मनीगाछी प्रखंड केँ आमजन द्वारा आगामी 16 नवम्बर क' प्रमंडलीय कार्यालय दरभंगा केर समक्ष एक दिवसीय धरना केँ आयोजन होमै बला अछि। 

एक दिवसीय धरना केँ लेल भंडारिसम - मंकरन्दा पंचायत सहीत मनीगाछी प्रखंड केँ आमजन सभक मुख्य मांग निम्न प्रकारे अछि। 

  1. सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान क' जिला प्रशासन केर प्रतिवेदनक आलोक मे ऐहिके पर्यटन स्थल घोषित करैत ऐहिक सौन्दर्यीकरण हेतु देल गेल एक करोड़ टाकाक राशि सँ वाणेश्वरी भगवती स्थान केर सौन्दर्यीकरण  काज तत्काल प्रारंभ कायल जाए। 
  2. सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे 23 सँ 26 मार्च2018 धरी आयोजित होमै बला 'वाणेश्वरी भगवती महोत्सव' क' राज्यकी दर्जा दैत एहि महोत्सव लेल 10 लाख टाका तत्काल उपलब्ध कराओल जाए। 
  3. सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे हर्ष रामनमी केर अवसर पर आयोजित होमै बला मेला क' राज्यकी मेला घोषित कायल जाए। 
  4. सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे हजारों श्रद्धालु सभक आगमन क' देखैत विधिवत घोषित वाणेश्वरी भगवती हाल्ट केर निर्माण तत्काल प्रारंभ कायल जाए। 
अपने क' बता दी उपरोक्त चारों मांग ल'के 'वाणेश्वरी न्यास समिति' केँ कोषाध्यक्ष सह जदयू शिक्षक प्रकोष्ठ केँ वरीय प्रदेश उपाध्यक्ष डॉ. राम मोहन झा आगामी 5 दिसम्बर सँ वाणेश्वरी भगवती स्थान मे अनिश्चितकालीन भुख हरताल पर बैसै बला छथि। डॉ. राम मोहन झा ऐहिक लेल सम्बंधित सभ पदाधिकारी क' ऐहिक सुचना द' चुकल छथि।

निवेदक 
विजय कुमार झा 
मो. 9971219520

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने