2003 म' रिंकू देवी के बाबूजीक देहांत भ' गेलनि। बाबूजीक देहांतक घरी दुनू भाई छोट छलैथ। कहुना केँ हिनक माँ तीनो गोटा क' पोसलनि। किछु बरखक बाद रिंकू के बिआह दुनू भाई मिल क' देलनि। विधि केर विधान बिआह के किछु दिनक बाद रिंकू सेहो विधवा भ' गेली, जाहिक बाद ओ अप्पन नैहरे म' रहे लागली।
हिनका सभक जमीन पर हिनका सभक दबंगई करैत कब्ज़ा क' लेना छथि, जाहिके छोड़ेबाक लेल रिंकू देवी आ हिनकर पूरा परिवार पछिला 10 दिन सँ बहेड़ा थाना केँ चक्कर लगा रहल छथि। विधवा रिंकू देवी कहलनि जमीन विवाद ल' क' हुनकर ग्रामीण सुरेंद्र झा, रमणजी झा, काशीकांत झा, मुकेश झा पछिला सप्ताह हुनका घर लाठी-डंडा आ हथियार ल' क' घुइस माएर पीट केलनि। ओ सभ रिंकू के इज्जत आबरू लुटबाक प्रयास सेहो केलनि। कहूना के पीड़ित परिवार अप्पन जान बचा बहेड़ा थाना पुहुच हुनका सभक खिलाफ केस दर्ज करौलनि।
प्राप्त खबैर केर मुताविक केस दर्ज करेलाक बावजूद बहेड़ा थाना आरोपी सभक ऊपर कोनो कार्रवाई केलनि। रिंकू देवी केर आरोप अछि कि उक्त आरोपी सभ पाई बला छथि आ ओ सभ पाई के बल पर थाना क' अपना पक्ष म' क' लेना छथि।
अपने क' बता दी रिंकू देवी आ हुनकर परिवारक सभ सदस्य क' आरोपी सभ जान सँ मारबाक धमकी देना छथि, जाहि डरे पीड़ित परिवार अप्पन घर द्वार छोइर दरभंगा म' एक भाड़ा के घर म' रही रहल अछि। पीड़ित परिवार न्याय लेल दर दर भटैक रहल अछि मुदा हुनका सभक मदैद लेल कियो आगू नहि आएब रहल छथि।
रिंकू देवी द्वारा बहेड़ा थाना म' दर्ज कराओल गेल F.I.R के फोटो कॉपी....
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।