सोनपुर के मेला म' पक्षी बजार पर कोर्ट केर डंडा, नहि बिकत पक्षी आ नहि होयत हाथी दौड़

पटना। 31 अक्टूबर। एहि बेर सोनपुर मेलाक रौनक कम होय बला अछि। हर बरख जे लोग एता विदेशी पक्षी कीने आ हाथी दौड़ देखे आबैत रहैथ हुनका सभके बड़का झटका लागल अछि। पटना हाई कोर्ट के एक आदेश के बाद हरिहर क्षेत्र सोनपुर मेला म' पक्षी सभक बिक्री आओर हाथी दौड़ पर प्रतिबंध लगा देल गेल अछि। 

हर बरख सोनपुर मेला म' लागै बला पक्षी बाजार म' लाखों केर संख्या म' लोग आबैत छल। एता देसी आओर विदेशी पक्षी सभ लोग सभके अपना दिस आकर्षित करैत छल। न्यायालय के आदेश के बाद प्रशासन द्वारा 2 नवंबर सँ शुरू होमै बला पशु मेला म' पक्षी सभक खरीद फरोख्त पर रोक लगा लगा देल गेल अछि। अपने क' बता दी कि ई मेला हर बरख नवंबर म' लागैत अछि जे एक मास धरी चलैत अछि। 

अपने क' बता दी एहि मेला म' गाय, महिष, घोड़ा समेत अनेको पशु क' बेचबाक लेल आनल जायत अछि। सोनपुर मेला म' पक्षी सभक बिक्री पर पटना उच्च न्यायालय द्वारा रोक लगाओल गेल अछि। ऐहिके रोकबाक लेल अदालत म' एक याचिका दायर कायल गेल छल। एहि पर सुनवाई करैत अदालत द्वारा वन्यजीव संरक्षण अधिनियम केर तहत पक्षी सभक खरीद बिक्री पर रोक लगाओल गेल अछि। 

कार्तिक पूर्णिमा सँ शुरू होमै बला एहि मेला म' दुनियां भरिक लोग आबैत छथि। एहि मेला म' एक सँ बाढ़िकेँ एक पशु-पक्षी सभक खरीद-बिक्री होयत अछि। एहि बेरक सोनपुर मेला म' पक्षी सभक बिक्री नहि होयत। एहिठामक पक्षी बजार म' तोता, मोर, गौरेया, साइबेरियन पक्षी, पहाड़ी मैना, कोयल समेत कैको तरहक पक्षी बिक्री लेल आनल जायत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ