सहरसा - धमहारा केँ बीच फनगो हाल्ट लग कोसी नदी पर बनल पुल पर बाइक समेत तीन गोटा कोसी नदी मे गिरल

सहरसा। 10 नवम्बर। सहरसा - धमहारा केँ बीच फनगो हाल्ट लग कोसी नदी पर बनल पुल पार करबाक दौरान आय एक बड़का हादसा भेल, जाहि हादसा मे एकहि परिवार केँ तीन लोग बाइक सहित कोसी नदी मे गिर पड़ला। प्राप्त खबैर केर मुताविक तीनो मे एक क' बचाओल गेल, जखन कि बाइक सहित दू गोटा लापता बताओल जे रहल अछि। 

अपने क' बता दी खगड़िया जिलाक धमहारा एवं सहरसा के फनगो हाल्ट केँ बीच कोसी नदी पर बनल पुरनका 47 नंबर रेल पुल से बाइक सवार तीन गोटा कोसी नदी मेँ बाइक सहित गिर पड़ला। एहि हादसा मे बाइक सवार दो गोटा एखनहुँ लापता छथि, जखनकि एक दस वर्षीय बच्चा क' स्थानीय नाविक सभ बचेबा म' सफल रहला।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ