मुजफ्फरपुर : घूसखोर पुलिसकर्मी गिरफ्तार, 5 हजारक लेल लागलनि हथकड़ी

मुजफ्फरपुर। 17 नवम्बर। पूरा राज्य मे रिश्वतखोर अफसरक कोनो कमी नहि अछि। जाहि कारण सँ छापामारी मे निगरानी विभाग क' लगातार सफलता भेट रहल अछि। एक बेर फेर आय शुक्र दिन निगरानी विभाग क' एक घूसखोर पुलिसकर्मी क' गिरफ्तार करबा मेँ सफलता भेटल।

प्राप्त खबैर केर मुताविक मुजफ्फरपुर के साहेबगंज थाना मे तैनात पुलिसकर्मी एएसआई बसंत कुमार क' निगरानी केर टीम घूस लैत रंगलहाथ पकड़लनि। पटना सँ आयल निगरानी केर टीम साहेबगंज मे एएसआई बसंत कुमार रजक क' घूस लैत पकड़लनि। 

बताओल जे रहल अछि कि साहेबगंज थाना क्षेत्र पकड़ी पसारत गाम मे 16 जनवरी 2017 क' नंदकिशोर केँ कोनो ग्रामीण सँ भूमि विवाद भेल छल। एहि दौरान खूब माएरपीट सेहो भेल छल। एहि मामलाक जांच लेल बसंत रजक आइओ बनाओल गेल छल। एएसआई आरोपी सभक खिलाफ कार्रवाई करबाक लेल पाई केर मांग केना छल। 5 हजार टाका ल'के जांच आगू बढ़ेबाक बात भेल। एहि बीच पीड़ित ऐहिक शिकायत निगरानी मे केलनि।

शिकायत के बाद निगरानी विभाग अप्पन अनुसंधान टीम गठित करि मामला केर सत्यापन केलनि। जांच मे आरोप सत्य पाओल गेल। पटना सँ मुजफ्फरपुर पहुँचल निगरानी टीम साहेबगंज थाना कैंपस मे एएसआई केर आवास पर रिश्वत लैत बसंत रजक क' गिरफ्तार केलनि। पूछताछ लेल गिरफ्तार एएसआई बसंत क' पटना लाओल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ