कोनो बड़का अनहोनी केँ नोत द' रहल अछि ई 40 बरख पुरान जर्जर पुल

जमुई। 07 नवम्बर। सरौन पंचायत अंतर्गत चरघरा गाम लग बनल पुल कोनो बड़का अनहोनी केँ नोत द' रहल अछि। एहि पुल पर कखनहुँ भ' सकैत अछि बड़का दुर्घटना, एहि पुल पर भगवान भरोसे चलैत छथि राहगीर। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक चरघरा गाम सँ चकाई गिरिडीह मुख्य मार्ग पर जेबाक लेल माटी - मोरम के कच्ची सड़क केर निर्माण 40 बरख पहिने पूर्व तत्कालीन सरौन पंचायत के मुखिया अंग्रेज राय द्वारा कराओल गेल छल। ओहि समय एहि पुल केर निर्माण सेहो भेल छल। 

सड़क कालीकरण केर घरी ठेकेदार द्वारा पहिने सँ बनल एहि क्षतिग्रस्त पुल क' प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना केर तहत लीपापोती क' देल गेल छल। आय पुलक हालत बदहाल अछि। ई पुल कोनो समय ध्वस्त भ' सकैत अछि, आओर कोनो बड़का दुर्घटना भ' सकैत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ