केंद्रीय स्वास्थ्य राज्य मंत्री अश्विनी चौबे कैल्हि रवि दिन पटना म' टीकाकरण के लेल मिशन इंद्रधनुष कार्यक्रम केर शुरुआत केलनि आओर एहि मौका पर ओ ई विवादित बयान देलनि। हुनकर एहि बयान के बाद बिहार म' विपक्षी दल सभक तीखा प्रतिक्रिया आयब रहल अछि। अश्विनी चौबे के एहि बयान पर कांग्रेस के वरिष्ठ नेता प्रेमचंद मिश्रा कहलनि कि अश्विनी चौबे मानसिक संतुलन हरा चुकल छथि, एहि लेल ओ बिहारी रहितो बिहारक लोग के अपमान केलनि। कांग्रेस नेता कहलनि कि अश्विनी चौबे अप्पन देल बयान लेल माफी माँगैथ नहि त' प्रधानमंत्री मोदी हुनका तुरंत बर्खास्त करैथ।
एम्हर, राजद सेहो पलटवार करैत अश्विनी चौबे केर बयान क' एंटी बिहारी बतौलनि। राजद के राष्ट्रीय उपाध्यक्ष शिवानंद तिवारी कहलनि कि सत्ता केर नशा म' मंंत्री मदहोश छथि। लोग सभक अधिकार अछि ओ कतहुँ भी इलाज करा सकैत छथि। आगा ओ कहलनि कि अश्विनी चौबे के एहि तरहक बयान संविधान केर खिलाफ अछि आओर हुनका तुरंत मंत्रिमंडल सँ बाहर क' देबाक चाही। अपने क' बता दी एहिसँ पहिनो अश्विनी चौबे अप्पन विवादित बयान लेल सुर्खि रही चुकल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।